1 येसु आपन चेलासबके कहल्कै, “कोनो धनिक लोकके एकटा मुन्सी छेलै। ‘उ आपन मालिकके धन-समपैत उरा रहलछै कैहके’ ओकर उपर आरोप लागल छेलै।
परमेस्वर तोरासबके किसिम-किसिमके बरदान देनेछौ। एक दोसरके सेबा करैके लेल देल यि बरदानके पुरा सदउपयोग कर।
परभु उतर देल्कै, “बफादार आ बुधिमान मुखिया के चियै, जकरा ओकर मालिक आपन घरके सब कामकाजके जिमा देतै आ आपन नोकरसबके ठिक समयमे खाना दैकेलेल खटेतै।
तुसब माङैचिही महज नै पाबैचिही, कथिलेकी आपन अभिलासा पुरा करैके लेल बेठिक हिसाबसे माङैचिही।
मन्डलीके बिसपसब परमेस्वरके कामके रेखदेख करैबला भेलाके कारन निरदोस रहे परतै। उ लोक जिदी, झटसे खिसियाइबला, मतबाली, लराइ-झगरा करैबला आ धनके लोभ करैबला नै हैकेचाही।
महज अहाँके सम्पैत रन्डीवाजमे उराइबला बेटा एल त बरका मोटगरहा खसी काइटके भोज करलियै।’
“कुछ दिनके बाद छोटका बेटा सब धन-समपैत जमा कैरके दोसर देस चैलगेलै आ ओते उ आपन मौज-मस्तीमे खा-पिके सब समपैत उराइल्कै।
फेनो तेसर नोकर आइबके कहल्कै, ‘मालिक, देखु, अहाँके टका, हम पोटरीमे बाइन्हके घोसाइरके राखने छेलियै।
“एक समयमे एकटा धनिक लोक रहै, जे सबदिन महङ-महङ बस्तर लगाइछेलै आ ऐस-अरामके जिन्गी बिताइछेलै।
तब रजा हेरोदके मुन्सी खुजासके घरबाली योअन्ना, सुसन्ना आ औरो बहौतरा जनिसब आपन धन-सम्पतिसे येसु आ ओकर चेलासबके सेबा करैछेलै।
“जब साँझ परलै, तब उ मालिक आपन मुख नोकरके बोल्याके कहल्कै, ‘जनसबके बोला आ सबसे पछा आबैबलासे सुरु कैरके सबसे पहिन्का आबैबला तक सबके बैन द्यादहै।’
तब मालिक ओइ मुन्सीके बोल्याके कहल्कै, ‘तोहर बारेमे हम यि कथी सुनैचियौ? तोहर सब कामके हिसाब हमरा बुझ्हा। आइके बाद तु हमर मुन्सी नै रहबिही।’