4 “मान कि तोरासबमेसे ककरो सय भेंरा छै, ओइमेसे एकटा हरेतै त निनानब्बेटाके बोनेमे छोइरके भेंरा नै भेटतै ताबेतक कि नै खोज्तै?
कथिलेत मानबके बेटा हरेल्हाके ताकैले आ बचाइले एलछै।”
कथिलेत तुसब हर्याल भेंरासब जखा छेल्ही, महज आब त तुसब आत्माके चरबाहा आ रक्छा करैबला लग घुइमके एलचिही।
येसु उसबके जबाफ देल्कै, “माइनले कि तोरासबमेसे ककरो एकटा भेंरा बिसरामके दिनमे खधियामे खैस परतौ त कि ओकरा झटसिना पकैरके बाहर नै निकालबिही?
महज परभु ओकरासबके जबाफ देल्कै, “ए कपटीसब, के पबितर बिसरामके दिनमे आपन गाइ या गदहाके खुट्टासे घुरी खोइलके पानी पिआइले नै लजाइचिही से?
हे लोकसब, कि तु दोसरके दोस लगाइचिही? तोरासबमेसे चाहे जे कोइ हेबे दोसी नै चियै कैहके बहाना करैबला कोनो कारन नै छौ। दोसरके दोस लगाइबला तु आपनेके दोसी ठहरबिही, कथिलेत जे कामके लेल दोसरके दोस लगाइचिही, उ काम तु आपने करैचिही।
तब येसु ओइसबके एकटा खिसा कहल्कै,