28 महज उ खिस्याइलै आ अङना भितर जाइयोले नै मानल्कै, तब ओकर बाबु बाहर ज्याके ओकरा फुस्याइले लाग्लै।
तब फरिसीसब आ धरमगुरुसब गुनगुनावे लाग्लै “यि लोक त पापी लोकसबके स्वागत करैछै आ ओइसबके सङे-सङे बैठके खान-पिन करैछै।”
येसुके नौता दैबला फरिसी यि देखके मनेमन कहेलाग्लै, “अगर येसु साच्चेके अगमबक्ता चियै त छुबैबाली जनिजाइत केहन पापी चियै से जाइनजेतियै।”
महज बिस्बास नै करैबला यहुदीसब गैर-यहुदीसबके उस्काके परभुमे बिस्बास करैबला लोकसबके बिरोध करैले लगाइल्कै।
लोकसबके भिर देखके यहुदीसब एकदमसे डाह करे लाग्लै। पावल जे बाजैछेलै तै बातके उसब अपमान करैत ओकर बिरोध करे लाग्लै।
तब यरुसलेमसे सुरु कैरके सब जातीसबके ओकर नाममे पस्चाताव आ पाप छमाके परचार हैलेपरतै।
“ए यरुसलेमके लोकसब! तुसब अगमबक्तासबके मारैचिही आ परमेस्वरके दुतसबके पथल बरसाचिही! जनङ मुरगा आपन बच्चासबके डेन तरमे घोसाइरके राखैछै, तहिना कतेक बेर हम तोहर लोकसबके भेला करैले चाहलियौ, महज तुसब नै मानलिही।
फरिसी आ यहुदी धरमगुरुसब आइबके येसुके चेलासबके गनगनाबे लाग्लै, “कथिले तुसब बटी उठाइबला आ पापीसबसङे मिलके खान-पिन करैचिही?”
उसब बैन पाबलाके बाद जमिनके मालिकके बिरोधमे किच-किच करे लाग्लै।
गैर-यहुदीसबके मुक्तीके सन्देस सुनाइबला हमरासबके काममे उसब बाधा पुगेल्कै। एहेन कैरके उसब आपन पापके घरा भैरलेल्कै। आखिरमे परमेस्वरके करोध ओइसबके उपर परलै।
ओहैसे हमसब खिरिस्टके राजदुतसब चियै आ परमेस्वर हमसबसे तोरासबके बिन्ती कैर रहलछौ। तुसब परमेस्वरसङे मेलमिलाप कर कैहके हमसब सेहो खिरिस्टके तरफसे तोरासबके बिन्ती करैचियौ।
तनङ छै त कि इजराएलीसब यि सुसमाचार नै बुझल्कै? उसब बुझैले त बुझल्कै महज नै टेरल्कै। परमेस्वर पहिने मोसा मारफत कहने छेलै, “गैर-यहुदीसबके परेम करल देखके तुसब डाह करबिही। हमरा नै चिन्हैबला लोकसबके परेम करल देखके तोरासबके रिस उठतौ।”
तकरबाद कुछ यहुदीसब एन्टिओखिया आ आइकोनियनसे ओते एलै आ लोकसबके आपन पक्छमे कैरके पावल उपर पथलबाही कराइल्कै। उ मरगेल हेतै कैहके ओकरा घिस्याइत लज्याके सहरसे बाहर फेकदेल्कै।
महज यहुदीसब परमेस्वरके भक्ति करैबला जनिसब आ सहरके नेतासबके समेत पावल आ बरनाबासके बिरोधमे चरह्या-बरह्याके ओइसबके ओइ इलाकासे भगा देल्कै।
एकटा कोढि-कुस्टी लागल लोक येसु लग एलै आ ठेङहुनिया दैत कहल्कै, “अहाँ चाहबै त हमरा कोढि-कुस्टीसे निक कैरसकैचियै।”
नोकर ओकरा कहल्कै, ‘अहाँके भाइ आइबगेलै आ अहाँके बाबुजी बरका मोटगर खसी काटलक। कथिलेत मालिक ओकरा निके कुसले घुइमके एल भेटलै।’
महज उ बाबुके कहल्कै, ‘देखु, अतहेक बरिससे हम अहाँके नोकर जखा सेबा कैररहलचियै, अहाँके बात कहियो नै काटने चियै, तैयो हमरा आपन सङि-साथीसब सङे भोज खाइले अहाँ कहियो नै हमरा एकटा पठरुवो तक देलियै।