10 हम तोरासबके कहैचियौ, अहिनङे पस्चाताव करैबला पापीके लेल स्वरगमे परमेस्वर स्वरगदुतसबके अगा खुसी मनाबैछै।”
हम तोरासबके कहैचियौ, अहिनङ पस्चाताव नै करैबला निनानब्बे धरमात्मासबमेसे आपन पाप माइनके पस्चाताव करैबला एक गोरे पापीके लेल स्वरगमे बेसी खुसी हैछै।”
जे परमेस्वरके इक्छा सुइकार कैरके दुख मानैछै आ पस्चाताप करैछै, तकरा परमेस्वर बचेतै। एहेन किसिमसे दुखमे पछताइले नै परैछै। महज सन्सारके लोकसब जखा दुख मातरे करैछै त उ मिरतु दिसन लजाइछै।
हम तोरासबके कहैचियौ, नै! महज तुसब आपन पाप माइनके पस्चाताव नै करबिही त ओहिना तुहुसब नास हेब्ही।”
तहिनङे स्वरगमे रहैबला तोरासबके पिताके इक्छा एह्या छै कि, यि छोट बच्चासबमेसे कोइ नै हेराबे।”
स्वरगदुतसब त परमेस्वरके सेबा करैबला आत्मासब चियै। परमेस्वर ओकरासबके मुक्ती पाबैबला लोकसबके सहायता करैके लेल पठाइनेछै।
यि बात सुइनके परभुमे बिस्बास करैबला यहुदीसब पतरुसके दोस लगाइले छोइरदेल्कै आ परमेस्वरके परसन्सा करल्कै, “आब त परमेस्वर आनो जातीसबके पापसे पस्चाताप कैरके अनन्त जिबन पाबैके अबसर देने छै।”
अइ खातिर हम तोरा कहैचियौ, अकर बहौतरा पापसब माफ भ्यागेल्छै। तहैसे यि हमरा बेसी परेम देखेल्कै। महज जकरा कम माफ हैछै उ कमे परेम करैछै।”
“होसियार रह, यि छोट बच्चासबमेसे ककरो तुसब निच नै समझ। कथिलेत हम तोरासबके कहैचियौ, उसबके देखभाल करैबला स्वरगदुतसब स्वरगमे रहैबला हमर पिताके अगामे रहैछै।
सायद उ सबदिनके लेल तोहरसङे रहैले सके कैहके कुछ समयके लेल उ तोहरसे अलग भेल छेलौ।
महज ओहै रात परभुके एकटा स्वरगदुत जहलके केबारसब खोइल देल्कै आ बाहर लज्याके कहल्कै,
“जे हमरा लोकसबके सामने परभु कैहके सुइकार करतै, तकरा हम्हु स्वरगमे रहैबला आपन पिताके सामने सुइकार करबै।
“हम तोरासबके कहैचियौ, जेसब हमरा लोकसबके सामने परभु कैहके सुइकार करतै, ओकरा मानबोके बेटा परमेस्वरके स्वरगदुतसबके सामने सुइकार करतै।
महज जे कोइ लोकसबके अगामे हमरा असुइकार करतै, ओहो परमेस्वरके स्वरगदुतसबके सामने इन्कार करलजेतै।
हरेल्हा टका भेटलाके बाद उ आपन सङिसबके आ परोसियासबके बोलाके कहैछै, ‘हमरसङे खुसी मना, कथिलेत हमर हरेल्हा टका भेटलै।’
तब येसु फेनो एकटा खिसा कहल्कै, “कोनो लोकके दुइटा बेटा छेलै।