1 एक दिन बटी उठाइबलासब आ पापीसब जम्मे येसुके बचन सुनैले ओकर नजदिक आबैछेलै।
यि बात सत चियै आ सुइकार योग्य छै कि येसु खिरिस्ट पापीसबके बचाइके लेल अइ सन्सारमे एलै। ओइ पापीसबसे बेसी पापी हम चियै।
लोकसब अपना कतहेक पाप करनेचियै से जानैके लेल परमेस्वर ओकरासबके बेबस्था देल्कै। लोकसबके पाप जतहेक बरहैत गेलै परमेस्वरके अनुगरह ओतहेक बेसिसे बरहैत गेलै।
तब सब लोकसब आ करो उठाइबलासब यि बातसब सुइनके परमेस्वरके सुइकार करल्कै, कथिलेत उसब युहन्नासे बप्तिस्मा लेने छेलै।
आब सुन! जे अखन पछिल्का छै उ पहिन्का हेतै आ जे अखन पहिन्का छै उ पछिल्का हेतै।”
यदी तोरासबके परेम करैबलाके मातरे परेम करैचिही त तोरा परमेस्वरसे कोन इनाम भेटतौ? कि करो उठाइबलासब ओइहनङे नै करैछै से?