35 देख! आब तोहर मन्दिर उजार भेलछौ। हम तोरा कहैचियौ, जबकत तु ‘परभु परमेस्वरके नाममे आबैबलासब धैनके छै’ से नै कहबिही तबकत तुसब हमरा नै देखबिही।”
उसब खजुरके ठाइरसब ल्याके एहेन कहैत ओकरा भेटैले निकल्लै, “होसन्ना! धैन इजराएलके रजा! जे परमपरभुके नाममे आबैछै!”
येसुके अगा-पछा चलैबला लोकसब अनङकैरके जयजयकार करे लाग्लै, “दाउद रजाके बेटाके जय! धैनके छै उ जे परभुके नाममे आबैछै! स्वरगमे रहैबला परमेस्वरके जयजयकार हेबे!”
दुस्मनसब ओइसबके तरबारसे काइटके मारतौ। ओकरा बन्दी बनाके देस-देसमे ल्याजेतौ। तब आन जातसे समय पुरा नै छै तक उसब यरुसलेमके टाङके तरमे दाइबके राख्तौ।”
“ए यरुसलेमके लोकसब! तु अगमबक्तासबके मारैचिही आ परमेस्वर तोरासबलग पठेल्हासबके पथलसे मारैचिही। जनङ मुरगा आपन बच्चासबके डेन तरमे राखैछै, ओहिने हम बहुतो बेर तोहर बच्चासबके बचाइले चाहलियै, महज तु नै मानलिही।
जब येसु यरुसलेमके नजदिक पहुचलै तब उ सहरके देखके ओकर मन कलपलै आ कहल्कै,