9 महज जे कोइ लोकसबके अगामे हमरा असुइकार करतै, ओहो परमेस्वरके स्वरगदुतसबके सामने इन्कार करलजेतै।
यदी हमसब ओकरसङे दुख भोग्बै त, हमरौरके ओकरेसङे राज करबै। हमसब ओकरा इन्कार करबै त, ओहो हमरौरके इन्कार करतै।
महज जे हमरसे आ हमर बचनसे लाज मान्तै त मानबके बेटा आपन महिमामे आ परमेस्वर पिताके आ पबितर दुतगनके महिमामे आबैखिना ओकरसे लाज मान्तै।
अइ पापी आ दुस्ट पुस्तामे जे हमर आ हमर बचनसे लाज मान्तै त मानबके बेटा आपन पिताके महिमामे पबितर स्वरगदुतसबसङे आबैतखिना ओकरसे लाज मान्तै।”
महज जे हमरा लोकसबके सामने इन्कार करतै, हम्हु ओकरा स्वरगमे रहैबला आपन पिताके सामने इन्कार करबै।
तोहर काम हमरा थाहछै। देख, हम तोहर अगा केबार खोलल छोरदेने चियौ, जकरा कोइ नै बन्द करैले सकैछै। तोरासङे कनहिक सक्तीछै कैहके हमरा थाहछै, तैयो तु हमर बचन पालन करनेचिही आ हमर नाउके इन्कार नै करनेचिही।
तखैन हम तोरासबके कहबौ, ‘हम तोरासबके चिन्हबो नै करैचियौ। ए दुस्ट काम करैबलासब, हमरसे दुर चैलजो।’
जे बेटाके इन्कार करैछै ओकरसङे पिता नै रहैछै महज जे बेटाके सुइकार करैछै ओकरसङे पितो रहैछै।
महज बर भितरेसे जबाफ देल्कै, ‘अहँ, साँचे हम तोरासबके कहैचियै, हम तोरासबके चिन्हबो नै करैचियौ।’
हमर धियापुतासब, खिरिस्टमे रह आ जहिया उ परगट हेतौ, तहिया तोरासबके साहस मिल्तौ तब ओकर आबैबला ओइ दिन ओकर अगा लाजमे नै परबिही।
“तकरबाद उ आपन बमा कता भेल्हासबके कहतै, हे परमेस्वरसे सराप पाबलाहा लोकसब। हमरसे दुर चैल जो! सैतान आ ओकर दुतसबके लेल तैयार करल कहियो नै मुझाइबला आइगमे चैल जो।
येसु कहल्कै, “जहिया मानबके बेटा पुरे स्वरगदुतसङे आपन महिमामे एतै, तहिया उ आपन महिमाके सिंहासनमे बैठतै।
हम तोरासबके कहैचियौ, अहिनङे पस्चाताव करैबला पापीके लेल स्वरगमे परमेस्वर स्वरगदुतसबके अगा खुसी मनाबैछै।”
महज पतरुस एहेन कैहके इन्कार करल्कै, “नै गे, हम ओकरा नै चिन्हैचियै!”