8 “हम तोरासबके कहैचियौ, जेसब हमरा लोकसबके सामने परभु कैहके सुइकार करतै, ओकरा मानबोके बेटा परमेस्वरके स्वरगदुतसबके सामने सुइकार करतै।
जे बेटाके इन्कार करैछै ओकरसङे पिता नै रहैछै महज जे बेटाके सुइकार करैछै ओकरसङे पितो रहैछै।
यदी हमसब ओकरसङे दुख भोग्बै त, हमरौरके ओकरेसङे राज करबै। हमसब ओकरा इन्कार करबै त, ओहो हमरौरके इन्कार करतै।
हम तोरासबके कहैचियौ, अहिनङे पस्चाताव करैबला पापीके लेल स्वरगमे परमेस्वर स्वरगदुतसबके अगा खुसी मनाबैछै।”
हमरा थाहछै, तुसब सैतानके सिंहासन भेल ठाममे रहैचिही, तैयो तुसब हमर नाममे अस्थिर रहैचिही। तुसब हमर भक्त चिही आ हमरा बिस्बास करैले नै छोरनेचिही से हमरा थाहछै। हमर बिस्बासी साक्छी एन्टिपास सैतान रहैबला ठाममे मारलगेलै, ओहु समयमे बिस्बास करैले नै छोरलिही।
तोरा जे कस्ट परेबलाछौ ओइसे नै डरा। तोहर बिस्बास जाँचके लेल सैतान तोरासबमेसे कतेक लोकके जहलमे ढोकतौ। अहिनङ कैरके तोरासबके दस दिनतक कस्ट सहैले परतौ। तु मिरतु तक हमरमे बिस्बास करैले नै छोर। तब हम तोरा जिबनके मुकुट देबौ।’
तब येसु ओकरा कहल्कै, “देख, नरहियाके सोहैन छै आ चिरै-चुरगुनसबके खोता छै महज मानबके बेटाके त मुर राखैके ठामोतक नै छै।”