28 महज आइके हैबला आ बिहानके आइगमे डाइहदै बला चौरीके फुलाके परमेस्वर ऐहनसे सजाइछै त उ तोरासबके कतहेक बेसी निकसे सजाइतौ। तोरासबके बिस्बास कते छौ?
तब येसु तुरन्त आपन हाथ बरहाके पकैर लेल्कै आ कहल्कै, “हे बिस्बासमे कम भेल्हा, तु कथिले संखा करलिही?”
येसु उसबके जबाफ देल्कै, “तोरासबके बिस्बासमे कमि भेलाके कारन अनङ भेलै। साँचोके हम तोरासबके कहैचियौ, यदी तोरासबमे रायके बिया बराबर बिस्बास रहतौ त यि पहारके ‘अतसे हैट जो’ कहबिही त हैटजेतौ आ तोरासबके लेल कोनो चिज असम्भब नै हेतौ।
जब परमेस्वर चौरीके घास, जे आइ छै काइलके आइगमे जराएल जेतै, तकरा अहिनङ सिङारैछै त, ए कमजोर बिस्बास करैबलासब कि तोरासबके औरो बेसीसे नै सिङगारतौ?
कथिलेत पबितर धरमसास्तरमे लिखल छै, “सब मानब जाती घास जखाछै आ ओकर सुन्दरता घासेके फुल जखा हैछै। घास सुइख जाइछै आ फुल झैर जाइछै,
येसु ओकरासबके कहल्कै, “तोरासबके बिस्बास कते गेलौ?” तब चेलासब डेरागेलै आ छक परलै तब आपनेमे कहेलाग्लै, “यि के चियै! यि अन्हर-बिहार आ झोहके आग्या करैछै त माइन जाइछै।”
तब येसु जबाफ देल्कै, “ऐ बिस्बास नै करैबला आ दुस्ट पुस्ता, हम कहियातक तोरासबके सङे रहबौ? कहियातक तोरासबके कमजोर बिस्बासके सहैत रहबौ? ओकरा अते हमरलग आन।”
येसु उसबके बात थाह पाइबके कहल्कै, “तोरासबके बिस्बास कते गेलौ? तोरासबसङे रोटी नै छौ कैहके कथिले आपसमे बातचित करैचिही?
महज येसु ओकरासबके कहल्कै, “कथिले तुसब डेराइचिही? तोरासबके बिस्बास कते गेलौ?” तब येसु उइठके अन्हर-बिहाइर आ तालके हप्केल्कै आ अन्हर-बिहाइर एकदम सान्त भ्यागेलै।
कुछ लोकसब पानी पैरके भिजल जमिन जखा हैछै आ खन-जोत करैबला किसानके लेल असल अन दैछै। ओइ जमिनके परमेस्वर आसिस दैछै।