17 तब उ आपनमे मनेमन सोचे लाग्लै, ‘हमरा अन राखैले कतौ जगह नै छै, आब हम कथी करबै?’
कोइ तोहरसे कुछो माङेछौ त ओकरा दहै, तोहर सङे कोइ पैचा माङैछौ त ओकरा दैले इन्कार नै कर।
खिरिस्टके परेम हमसब जानैचियै कि उ अपनासबके खातिर आपन परान देल्कै। तैल्याके अपनोसबके आपन भाइके लेल आपन परान दैलेपरतै।
खिरिस्टके पबितर जनसबके खाचोमे मदत कर आ घरमे एल मेजमानसबके सेबा-सत्कार कर।
तकरबाद उ ओइसबके बाहर लज्याके कहल्कै, “हे हौ मालिकसब, हमरा उदार पाबैले कथी करेपरतै?”
तब उ ओकरा कहल्कै, ‘चाबस तु हमर असल सेबक चिही, कथिलेत छोट चिजमे बिस्बास करलिही। आब तोरा दस सहरसबमे अधिकार देबौ।’
यि बात सुइनके येसु ओकरा कहल्कै, “तोहरमे एकटा औरो चिजके कमि छौ। तोहर सङे भेल्हा सब धन-समपैत बेचके गरिबसबके बाइट दहै, तब स्वरगमे तोरा बहुत धन हेतौ आ हमर पछा लाग।”
हम तोरासबके कहैचियौ, आपन खातिर दुनियाके धनसे सङीसाथी बना, जब उ धन ओराइतौ, तब उसब तोरासबके स्वरगमे स्वागत करतौ।”
अइ सन्सारमे धनिक भेल लोकसबके घमन्डी नै बन कैहके आग्या दहै। अनिस्चीत धन सम्पैतमे नै महज सब चिज परसस्तसे आपनसबके भोग करैले दैबला परमेस्वरमे भरोसा कर कैहके ओइसबके आग्या दहै।
यि बात सुइनके उसब दुखी भेलै आ पछताबे लाग्लै, तब पतरुस आ औरो परेरितसबके उसब कहल्कै, “भाइसब, हमसब कथी करबै?”
तब उ मुन्सी आपन मनेमन बिचार करल्कै, ‘आब हम कथी करबै, कथिलेत हमर मालिक हमरा मुन्सीके कामसे निकाले लागल छै। हर जोतैले हमरा तागत नै छै, भिख माङैले हमरा लाज हैये।
तुसब आपन धन बेचके गरिबसबके दहै। आपन खातिर कहियो नै फाटैबला बटुवा तैयार कर। तहिनङे कहियो नास नै हैबला धन स्वरगमे जमा कर। जते चोर नै एतौ आ नै किरो लागतौ।
कथी खेबै, कथी पिबै तकर लेल तुसब खोजि आ चिन्ता नै कर।
तकरबाद येसु आपन चेलासबके कहल्कै, “अहै खातिर आपन परानके लेल कथी खेबै, देहके लेल कथी पिन्हबै कैहके चिन्ता नै कर।
महज भितरोमे राखल चिजसब गरिबसबके दान दहै, तब तोरासबके खातिर सबचिज सुध हेतौ।
एक दिन एकटा धरमगुरु आइबके येसुके फसाइले उपाय लगाइत कहल्कै, “गुरु जी अनन्त जिबन पाबैके लेल हमरा कथी करेपरतै?”
युहन्ना ओकरासबके जबाफ देल्कै, “जकरसङे दुइटा जमा छौ, से कोइ नै भेल्हाके एकटा दयादेतै, जकरसङे खाइबला चिज छौ से कोइ नै भेल्हा सङे बाइटके खेतै।”
तब उसब एक-दोसरमे बात-चित करे लाग्लै, “अपनासब रोटी नै आन्लाके कारन येसु एहेन कैहरहल छै कि।”
तब येसु ओकरासबके एकटा कहबी सुनेल्कै, “एकटा धनिक लोक खेतमे बहौतरा अन उबजेल्कै।
तब उ फेनो बिचार करल्कै, ‘आब हमरा अनङ करे परतै- आपन सब बखारी उजाइरके पहिन्कासे बरका-बरका बनाइबै आ सब अन आ सरसमान ओहैमे राखे परतै।