1 तहैबिच जब हजारो लोकसबके भिर जमा भेलै, तब ओते लोकसब एकदोसरमे किचम-किच हेबे लाग्लै, तहै बखत येसु आपन चेलासबके कहेलाग्लै, “तुसब फरिसीसबके खमिरसे होसियार रैहिये, कथिलेत उ खमिर ओकरासबके कपटी बिचार चियै।
अहैलेल तुसब दुस्टतासे, छल-कपटसे, सब डाहसे आ सब निन्दासे दुरे रह।
महज स्वरगसे आबैबला बुइध त सबसे पहिने असल हैछै, तकरबाद उ सान्ती दैबला, नम्र, बिचारसिल आ दयासे भरल रहैछै आ असल कामसे परकट हैछै। अइमे पक्छपात करैबला बात आ छलकपट करैबला बात नै रहैछै।
ऐ कपटीसब! तुसब अकास आ धरतीके लछनसब कैह दैले सकैचिही, महज यि समयके अरथ लगाइले नै जानैचिही?
हम जे पाबलियै ओह्या सबसे मुख बिसयके रुपमे तोरासबके सोइप देलियौ, अरथात पबितर धरमसास्तर अनुसार खिरिस्ट अपनासबके पापके खातिर मरलै।
पावलके बात सुनलाके बाद उसब परमेस्वरके इस्तुती करल्कै। तकरबाद उसब पावलके कहल्कै, “हौ पाबल भाइ, अते हजारो-हजार यहुदीसब परभुमे बिस्बास कैरके मोसाके देल बेबस्थाके करा साथ पालन करैछै।
धिक्कार तोरासबके! कथिलेत तुसब ओइ चिहान नहाइत चिही जकर कोनो पहिचान नै हैछै।” तब थाह नै पाइबके ओकर उपर चलै-फिरै छै।
येसु परेरितसबसङे पहारसे निचा झैरके सैर जगहमे आइबगेलै ओइठाम औरो चेलासबके बहुत बरका भिर लागल छेलै। यहुदिया इलाकाके सब दिसरसे यरुसलेमसे तब समुन्दर कातके टुरोस आ सिदोन इलाकाके लोकसब बहुत भिरके साथ जम्मा भेल छेलै।
तै दिनसे येसुके चरचा औरो चारुदिसन हेबे लाग्लै तब बहुतसे बहुत लोकसबके भिर येसुके बात सुनैले, आपन-आपन रोग-बिमारसे निक हैले आवेलाग्लै।
एक दिन लोकसब परमेस्वरके बचन सुनैले येसुके चारुदिसन भिर लागल छेलै। उ गनेसरेत दहके बान्हमे ठार भेलरहै।
महज तुसब त सियोन पहार अरथात जिबित परमेस्वरके सहर स्वरगिय यरुसलेममे एलचिही। जते अनगिन्ती स्वरगदुतसब आनन्द मनाबैछै।