8 तब येसु ओकरासबके कहल्कै, “साथीके नतासे ओकरा उठके कुछो नै देतै तैयो उ लगातार माइङरहलाके कारन ओकरा आवस्यकता भेल जतेहेक माङतै ततहेक रोटी देतै।”
तोरासबके एकटा भाइ, खिरिस्ट येसुके दास इपाफरास सेहो गोरलगी पठाइनेछौ। उ तोरासबके खातिर हरदम जोरतोरसे परथनामे सम्झैत रहैछौ ताकी तुसब बलगर हो आ परमेस्वरके सब इक्छा पुरा रुपसे मानैले सक।
पिरिय भाइ-भैयासब, अपनासबके परभु येसु खिरिस्ट आ पबितर आत्माके देल परेमके कारन हमर दुखमे सहायता करैले हमरसङे परमेस्वरसे सबदिन परथना कर कैहके तोरासबसे बिन्ती करैचियौ।
हम तोरासबके लेल, लाउडिकियामे रहल मन्डलीके लेल आ हमर मुहो नै देखने बिस्बासीसबके लेल मैर-मैरके काम करनेचियै से बात तुसब जान कैहके हमर इक्छाछै।
हमर देहसे यि हट्या दिय कहैके हम तिन बेर परभुसे परथना करलियै।
उ भितरसे जबाफदैत कहल्कै, ‘हमरा परेसान नै करु। केबार बन कैरलेने चियै आ हम धियापुतासङे सुतलचियै। हम उठके अहाँके कुछो नै दैले सकब।’”