49 अहै खातिर सबकुछ जानैबला परमेस्वर कहल्कै, ‘हम तोरासबके लगमे अगमबक्ता आ परेरितसबके पठाइबौ। महज ओइमेसे ककरो मारबिही त ककरो सताइबिही।’
परमेस्वरके कारन तुसब खिरिस्ट येसुमे चिही, परमेस्वर खिरिस्ट येसुके अपनासबके लेल बुधि, धरमी, पबितर आ पापसे छुटकरा दैबला बनाइल्कै।
ओकरेमे परमेस्वरके सब ग्यान आ बुइधके सारा सम्पतीके भन्डारछै।
वह्या ककरो आपन परेरितसब, ककरो अगमबक्तासब, ककरो परचारकसब, ककरो मन्डलीके देख-भाल करैबला पास्टरसब आ ककरो सिक्छकसब नियुक्त करल्कै।
महज परमेस्वरके बोलाबट पाबलाहा लोकसबके लेल, चाहे उ यहुदी हेबे या गैर-यहुदी हेबे, खिरिस्टे परमेस्वरके सक्ती आ बुधि चियै।
तोहर गबाही दैबला स्तिफनसके लहु-लहुवान कैरके मारैत खिना हम ओतै लगमे ठारभेल रहियौ। ओकरा मारैबलासब सङे मिलके ओकरौरके बस्तरके रखबारी कैरके बैठल रहियै।’
महज अने साउल घर-घरमे ढुइकके बिस्बासी मन्डलीके नास करैले कोसिस करैतरहै। उ मरद आ जनी सबके पकैरके घिस्याइते लज्याके जहलमे ढोइक दैछेलै।
महज यि बात सुइनके उसब आपन-आपन कान मुइनके जोर-जोरसे हल्ला करैत ओकर दिसन मारैले दौरलै।
महज पबितर आत्मा तोरासबके उपर एतौ तब तुसब सक्ती पाबबिही आ यरुसलेममे, सरा यहुदिया इलाकामे, सामरिया इलाकामे आ पिरथिबीके अन्ततक हमर साक्छी हेब्ही।”
उसब तोरासबके सभाघरसबसे निकाइल देतौ। तोरासबके उपर अहिनङो समय एतौ, जे तोरासबके जानोसे मारैबला ‘परमेस्वरके सेबा करैचियै’ कैहके सोच्तै।
तब यरुसलेमसे सुरु कैरके सब जातीसबके ओकर नाममे पस्चाताव आ पाप छमाके परचार हैलेपरतै।
बाकी रहल लोकसब ओकर नोकरसबके पकैरके दुरबेबहार करल्कै आ जानसे माइरदेल्कै।
तै खातिर तुसब आपन पितापुरखाके साक्छी भ्याके सहमत हैचिही, कथिलेत उसब अगमबक्तासबके मारल्कै आ तुसब ओकरासबके लेल चिहान बनाइबिही।
तहै बखत परमेस्वरके अगमबक्तासब यरुसलेमसे एन्टिओखियामे एलै।
कथिलेत उसब अहाँके पबितर जनसब आ अगमबक्तासबके लहु बहेनेछै तब ओकरासबके अहाँ लहुवे पियैले देलियै। ओइसबके अनङ सजाय पाबनाइ उचित छै।”
हे स्वरगमे भेल्हासब, उ सहर नास भेलासे खुस हो। हे परमेस्वरके पबितर जनसब, परेरितसब आ अगमबक्तासब सबकोइ आनन्द मना! कथिलेत तोरासबके सताबैके कारन परमेस्वर ओकर नियाय करने छै।