4 हमरासबके पापसब छमा कैरदिय, कथिलेत हम्हु हमर बिरुध पाप करैबलाके छमा करैचियै। हमरासबके जाँचसे दुर राखु।’”
जागल रह आ जाँचमे नै परे खातिर तुसब परथना करैतरह। आत्मा त साँचोके तैयार छै महज देह दुरबल छै।”
तुसब एक-दोसरके सहन कर, ककरो बिरोधमे मन दुखाइबला बातसब छौ त छमा कर। जनङ तोरासबके परभु छमा करनेछौ तैहनङ तुहुसब एक-दोसरके छमा करेपरतौ।
तकरबाद येसु आपन चेलासबके कहल्कै, “तुसब आपन भाइ-बहिनके हिरदयसे छमा नै करबही त, स्वरगमे रहैबला हमर पिता तोरोसबसङे ओहिनङे करतौ।”
कथिलेकी जे लोक किरपा नै करैछै ओकर नियाय किरपे बिनाके हैछै। किरपा नियायके उपर बिजय हैछै।
हँ, परभु हमरा सब परकारके खराबिसबसे बचेतै। उ हमरा बच्याके आपन स्वरगिय राजमे ल्याजेतै। ओकर गुनगान जुगो-जुग तलिक हैतरहे। आमेन।
महज परभु बिस्बास योग्य छै आ उ तोरासबके बौकार बनेतौ आ सैतानसे बचेतौ।
तोरासबके जिबनमे आबैबला सब परिक्छासब लोकसबके बिचमे आबैबला जखा हैछै। परमेस्वर बिस्बासयोग्य छै, जे तोरासबके सहे नै सकैबला परिक्छामे नै पारतौ। जब तु लोभमे परबिही परमेस्वर तोरा उ परिक्छासे बचैयोके लेल सहायता करतौ। तब तु सहैले सकबिही।
यि सन्सारसे ओकरासबके ल्याजाउ कैहके हम परथना नै करैचियै, महज ओकरासबके दुस्टसे बचाबु कैहके परथना करैचियै।
तब येसु चेलासबके कहल्कै, “तुसब कथिले सुइतरहलची? उठ आ जाँचमे नै परै खातिर परथना कर।”
पथलबला जमिनमे परलाहा उसब चियै, जे परमेस्वरके बचन सुइनके खुसिसाथ गरहन करैछै महज ओकर सिर नै हैके कारन ओकरासबके बिस्बास कुछ समयके लेल मातर हैछै। परिक्छाके बखत ओकरासबके पतन हैछै।
पिरथिबीके सब जातीसबके जाँचैले अइ सन्सारमे आबैबला दुख कस्टसे हम तोरा बचाइबौ, कथिलेकी तुसब बहुत बात सैहके हमर आग्यापालन करनेचिही।
तोरा जे कस्ट परेबलाछौ ओइसे नै डरा। तोहर बिस्बास जाँचके लेल सैतान तोरासबमेसे कतेक लोकके जहलमे ढोकतौ। अहिनङ कैरके तोरासबके दस दिनतक कस्ट सहैले परतौ। तु मिरतु तक हमरमे बिस्बास करैले नै छोर। तब हम तोरा जिबनके मुकुट देबौ।’
तब येसु ओकरासबके फेनसे कहल्कै, “मान कि, तोरासबमेसे ककरो कोइ साथी छौ। उ अधा रातके साथीके घरमे ज्याके कहतै, ‘साथी, हमरा तिनटा रोटी पैंचा दिय।’
या अठार गोरेके उपरमे सिलोआमके धरहरा खइसके मरल छेलै। कि उसब यरुसलेमके सब लोकसबसे बेसी पापी छेलै कैहके सम्झैचिही त?