19 यदी हम बालजिबुलके सक्तिसे भुतसब भगाइचियै त, तोहर चेलासब ककर सक्तिसे भगाइछौ? ओहेसब तोरासबके नियाय करतौ।
तब युहन्ना कहल्कै, “गुरु जी, एकटा लोक अहाँके नामसे भुतसब निकालैत देखलियै। हमसब ओकरासबके कोसिसो करलियै, कथिलेत उ हमरासबसङे अहाँके कहल नै मानल्कै।”
बेबस्थाके बात त बेबस्थाके अधिनमे रहैबला लोकसबके लेल चियै कैहके हमरासबके थाहछै। ओहैसे परमेस्वर सन्सारके नियाय करैतखिना हम पाप नै करनेचियै कैहके बहाना बनाबे नै सक्तै।
तब उ रजा ओइ नोकरके कहल्कै, ‘ऐ ठक नोकर! आब हम तोरे मुहके बातसे हम तोहर इन्साफ करबौ। जे नै देनेचियौ से माङबौ आ जे नै रोपने चियै ओकरे काटैबला हम कठोर मनके लोक चियै से बात तु सोच्ने छेल्ही।
अहिनङे ओकर कामके चरचा पुरे सिरिया परदेसमे फैलगेलै। हरेक परकारके रोग-बिमारसे सत्याल, भुत लागल, मिरगी लागल आ लकबा मारल लोकसबके येसु लग आनल्कै आ येसु ओइसबके निक करल्कै।
तै खातिर चेला आपन गुरु जखा आ नोकर आपन मालिक जखा भेनाइ बहुत चियै। यदी उसब घरेके मालिकके बालजिबुल कहैछै त ओकर खानदानके औरो कि-कि नै कहतै!
महज कुछ अने-ओने घुमफिर करैबला यहुदी झार-फुक करैबलासब भुत-आत्मा लागलसबके परभु येसुके नाम लैत एहेन कहै, “पावलके परचार करल येसुके नाममे हम तोरा आग्या करैचियौ।”