18 यदी सैतानोसबके आपनेमे मतभेद हेतै त, ओकर राज कनङके टिक्तै? यि बात अइलेल पुछलियौ कथिलेत तुसब कहैचिही, कि हम बालजिबुलके सक्तिसे भुतसब भगाइचियै से तुसब बुझैचिही।
यदी सैतान सैतानेके निकाल्तै त आ आपने राजके बिरोध करतै त, ओकर राज कनङके टिक्तै?
महज ओइसबमेसे कतहेक लोक कहल्कै, “यि त भुतसबके रजा बालजिबुलके सक्तिसे भुतसब निकालैछै।”
तब येसु फेनो ओकरा जबाब देल्कै, “ऐ सैतान, तु हमर नजरसे दुर भ्याजो! कथिलेत लिखल छै, ‘तु परमपरभु आपन परमेस्वरके गोर लाग आ ओकरेटा सेबा कर।’”
अहिनङे ओकर कामके चरचा पुरे सिरिया परदेसमे फैलगेलै। हरेक परकारके रोग-बिमारसे सत्याल, भुत लागल, मिरगी लागल आ लकबा मारल लोकसबके येसु लग आनल्कै आ येसु ओइसबके निक करल्कै।
तै खातिर चेला आपन गुरु जखा आ नोकर आपन मालिक जखा भेनाइ बहुत चियै। यदी उसब घरेके मालिकके बालजिबुल कहैछै त ओकर खानदानके औरो कि-कि नै कहतै!