1 एक दिन कोनो एक ठाममे येसु परथना करैतरहै। परथना कैरलेलाके बाद ओकर चेलामेसे एकटा चेला कहल्कै, “परभु जी, युहन्ना जैहनङ आपन चेलासबके परथना करैले सिखेल्कै तैहनङे हमरोऔरके सिखाबु।”
महज, पिरिय भाइसब, तुसब एकदम पबितर बिस्बासमे बौकार हैत जो। पबितर आत्माके सक्तीमे रैहके परथना कर।
एक दिन येसु पहार दिसन परथना करैले गेलै आ परमेस्वरसङे परथनामे रातभर बिताइल्कै।
एक दिन येसु असगरे परथना करैबखत चेलासब ओकरलग छेलै आ उ ओकरासबके कहल्कै, “लोकसब हमरा के चियै कहैछै?”
येसु अइ सन्सारमे रहैतकाल मिरतुसे बचाबेबला परमेस्वरसङे जोरसे कानैत बिन्ती आ परथना करल्कै। ओकर नमरता आ भक्तीके कारन ओकर परथना परमेस्वर सुनल्कै।
करिब आठ दिनके बाद पतरुस, युहन्ना आ याकुबके आपनसङे येसु पहाड़मे परथना करैले गेलै।
जब परभु येसु ओइ बिधुवाके देखल्कै तब ओकर हिरदय दयासे भैरगेलै आ कहल्कै, “नै कान!”
यि पुछैले परभु लग पठाइल्कै, “जे आबैबला कि अहाँ उहे चियै? कि हमसब दोसरके आस करु?”
महज एकेटा बातके जरुरी छै, जे मरियम छान्नेछै। जे ओकरसे कोइ नै छिने सक्तै।”
येसु ओकरासबके कहल्कै, “तुसब परथना करैतखिना अनङ कह, ‘हे हमरासबके परमेस्वर पिता, अहाँके पबितर नामके आदर हेबे, अहाँके राज आबे,