25 एक दिन एकटा धरमगुरु आइबके येसुके फसाइले उपाय लगाइत कहल्कै, “गुरु जी अनन्त जिबन पाबैके लेल हमरा कथी करेपरतै?”
कोनो एक यहुदी सासक येसुके पुछल्कै, “हे असल गुरु जी, अनन्त जिबन पाबैले हमरा कथी करेपरतै?”
कथिलेत हक बेबस्था पालन कैरके पाबतै त परतिग्याके कोनो मतलब नै रहलै। महज परमेस्वर अबराहमके परतिग्यासे हक देल्कै।
महज फरिसीसब आ धरमगुरुसब युहन्नासे बप्तिस्मा नै लैके कारन उसब परमेस्वरके योजनाके इन्कार करल्कै।
जब येसु रस्तामे जाइछेलै तब एकटा लोक दौरके ओकर अगा एलै आ ठेङहुनिया दैत कहल्कै, “हे असल गुरु जी, अनन्त जिबन पाबैले हमरा कथी करेपरतै?”
एक गोरे धरमगुरु ओते एलै आ एक-दोसरमे बताबती कैररहल सुनल्कै। येसु लोकसबके ठिक जबाफ देल सुइनके ओकरा कहल्कै, “हे गुरु जी, सब आग्यासबमेसे महान आग्या कोन चियै?”
कथिलेत हम तोरासबके कहैचियौ, बहुत अगमबक्ता आ रजासब तोरासबके देखलहा यि बातसब देखैले आ सुनैले इक्छा करने छेलै, महज नै पाबल्कै।”
तब येसु ओकरा जबाफदैत कहल्कै, “अकर बारेमे पबितर धरमसास्तर कथी कहैछै? ओइमे तु कथी पढनेचिही?”
महज उसब येसुके जाचैले आ दोस लगाबैले कोनो गल्ती भेटतै कि कैहके एहेन कहने छेलै। महज येसु निहुकके भुइयामे औङरीसे लिखैले लाग्लै।
येसु उसबके जबाफदैत कहल्कै, “तोरासबके मोसा कथी आग्या देनेछेलौ।”