24 कथिलेत हम तोरासबके कहैचियौ, बहुत अगमबक्ता आ रजासब तोरासबके देखलहा यि बातसब देखैले आ सुनैले इक्छा करने छेलै, महज नै पाबल्कै।”
उ सबलोक परमेस्वरके परतिग्या करल बात नै पाइबके बिस्बासेमे मरलै। उसब परमेस्वरके परतिग्या करल बात दुरेसे देखल्कै आ स्वागत करल्कै, तब उसब अइ पिरथिबीमे आपनेके परदेसी आ परबासी चियै कैहके ठानल्कै।
तोरासबके पुरखा अबराहम हमर आबैबला दिन देखैके लेल बहुते इक्छा करने छेलै। उ देख्बो करल्कै आ बहुत खुसियो भेलै।”
ओइसबके बिस्बासके कारनसे परमेस्वर ओइसबसङे खुसी भेलै, महज ओकर परतिग्या करल चिज कोइ नै पाबल्कै।
“महज तुसब धैनके चिही, कथिलेत तुसब आपन आँखसे देखैचिही आ कानसे सुनैचिही।
चेलासब दिसन येसु घुइमके रसेरसे ओकरासबके कहल्कै, “यि सब बात देखैबला तुसब धैनके चिही!
एक दिन एकटा धरमगुरु आइबके येसुके फसाइले उपाय लगाइत कहल्कै, “गुरु जी अनन्त जिबन पाबैके लेल हमरा कथी करेपरतै?”