17 सतरो चेलासब खुसिसाथ घुइमके एलै आ कहल्कै, “परभु जी, अहाँके नामसे भुतसब हमरासबके बसमे आबैछै!”
सान्ती दैबला परमेस्वर जल्दिए सैतानके तोरासबके टाङके तरमे मिसरेतौ। अपनासबके परभु येसु खिरिस्टके अनुगरह तोरासबसङे रहे।
तब बिस्बास करैबलासब यि काम करतै- उसब हमर नाममे भुतसब भगाइतै, आन भसासब बोल्तै,
एक दिन येसु बारहो चेलासबके ऐके साथ बोलाइल्कै आ उसबके सब भुतसब भगाइले, बिमारसबके निक करैले सक्ती आ अधिकार देल्कै।
तकरबाद परभु येसु औरो सतर गोरे चेलासबके छानल्कै आ ओकरासबके दुइ-दुइगोरे कैरके गामसब आ सहरसबमे अपना जायसे पहिने परचार करैले पठाइल्कै।
ओइ ठामके रोगी बिमारीसबके निक कर आ ओकरासबके कही ‘परमेस्वरके राज तोरासबके नजदिक आइबगेल छौ।’
अहिनङे ओकर कामके चरचा पुरे सिरिया परदेसमे फैलगेलै। हरेक परकारके रोग-बिमारसे सत्याल, भुत लागल, मिरगी लागल आ लकबा मारल लोकसबके येसु लग आनल्कै आ येसु ओइसबके निक करल्कै।
तैयो भुतआत्मासब तोरासबके अधिनमे छौ कैहके खुसी नै मना, महज स्वरगमे तोरासबके नाम लिखलछौ तैमे खुसी मना।”
जहिनङे मन्डली खिरिस्टके अधिनमे छै, तहिनङे घरबालीयोसब, सब बातमे आपन-आपन घरबलासबके अधिनमे रहे।