59 जब बालक आठ दिनके भेलै, उसब खतना करैले गेलै। उसब ओकर बाबुएके नाम जखा जकरिया राखैले सोच्ने छेलै।
जलम भेलाके आठम दिनमे हमर खतना भेलै। हम इजराएल जातिके, बेन्यामिन कुलके खाटी हिबरु चियै। बेबस्थाके बिसयमे कहबै त हम एक फरिसी चियै।
आठमा दिनमे बालकके खतना भेलै तब ओकर नाम येसु राखल्कै, जे नाम मरियमके देहभारी हैसे पहिने स्वरगदुत देनेरहै।
“तब परमेस्वर अबराहमसङे जे करार बन्हने रहै, तकर चेन्हा स्वरुप ओकरसे खतनाके नियम बानहल्कै। जब ओकर बेटा इसहाक जलमलै तब अबराहम आपन बेटाके आठम दिनमे ओकर खतना करल्कै। इसहाक आपन बेटा याकुब आ याकुब सेहो आपन आपन बारहो बेटासबके खतना करल्कै। ओहेसब अपनासबके बारहो कुलके पुरखा भेलै।