35 स्वरगदुत ओकरा जबाफ देल्कै, “पबितर आत्मा तोहर उपरमे एतौ आ महान परमेस्वरके सक्तिके छाह तोहरमे परतौ। तैल्याके जल्मैबला बच्चा पबितर हेतै आ उ परमेस्वरके बेटा कहाइतै।
येसु खिरिस्टके जलम एहेन परकारसे भेलै- ओकर माँ के मङनी योसेफसङे भेल छेलै, महज ओइसबके बियाह हैसे पैहनैये पबितर आत्माके सक्तिसे मरियमके देहभारी भेलै।
नथानेल जबाब देल्कै, “गुरु जी, अहाँ परमेस्वरके बेटा चियै! अहाँ त इजराएलके रजा चियै।”
हम यि सब देख्ने चियै आ गबाही दैचियै कि, ओह्या परमेस्वरके बेटा चियै।”
पबितर आत्माके देख्याल अनुसार येसु खिरिस्ट परमेस्वरके बेटा चियै, कथिलेकी ओकरा मरलसे फेन जिबित कराइल्कै। उ अपनासबके परभु येसु खिरिस्ट चियै।
महज जब योसेफ एह्या बातके बिचार करतै रहै, तब सपनामे परमपरभुके स्वरगदुत एलै आ ओकरा अनङ कहल्कै, “हौ दाउदके खानदानके योसेफ, तु मरियमके आपन घरबालीके रुपमे अपनाबैले नै डरा, कथिलेत जे ओकर पेटमे छौ, उ पबितर आत्मासे चियौ।
“हौ, नासरतके येसु, अहाँके हमरासबसे कोन काम? अहाँ हमरासबके बरबाद करैले एलचियै? अहाँ के चियै से हमरा थाहछै, अहाँ परमेस्वरके पठेल्हा एकटा पबितर जन चियै।”
रोमी कप्तान आ ओकरजरे येसुके ओगरैबला सिपाहीसब भुमकौन आ यि घटनासब देखके बहौत डेरेलै आ कैह उठलै कि, “साँचोके यि त परमेस्वरके बेटा रहै।”
कथिलेत अपनासबके परधान पुजारी अपनासबके दुरबलतामे साथ नै दैबला पुजारी नै चियै। उ अपनेसब जखा सब बातमे परिक्छामे परलै महज तैयो पाप नै करल्कै।
उ मरियम नामके कुमाइर कन्याके घरमे गेलै, जकरा दाउदके खन्दानके योसेफ नामके लोकसे मङनी भेल छेलै।
हमर पहिन्का स्वभाब खिरिस्टेसङे कुरूसमे मरल छै। आबसे हम नै महज खिरिस्ट हमरमे जियैछै। जे जिबन अखन हम सरिरमे जियैचियै से परमेस्वरके बेटामे बिस्बास कैरके जियैचियै कथिलेत उ हमरा परेम करल्कै आ हमर खातिर उ बलिदान भेलै।
उसब रस्तामे जाइते-जाइते पानी भेल ठाममे पुग्लै। उ मुन्सी कहल्कै, “देखु, अते पानी छै, आब हमरा बप्तिस्मा लैले कोन चिज रोके सक्तै?”
येसु परमेस्वरके बेटा, मुक्ती दैबला खिरिस्ट चियै कैहके बिस्बास कर आ बिस्बासके कारन ओकर नाममे तुसब जिबन पाबबिही कैहके यि सब बात अइ किताबमे लिखलगेल छै।
परमेस्वरके बेटा येसु खिरिस्टके सुसमाचार अनङके सुरु हैछै।
अपनोसब एक समयमे ओहैसब जखा आपन देहके आ मनके इक्छा पुरा करैमे लागल छेलियै आ औरो लोकसब जखा अपनोसब परमेस्वरके दन्ड पाबैबला छेलियै।
नाहमे रहल चेलासब ओकरा गोर लागैत कहल्कै, “साच्चे अहाँ परमेस्वरके बेटा चियै।”
तहै बखत सैतान ओकरलग आइबके कहल्कै, “साँचोके तु परमेस्वरके बेटा चिही त यि पथलसब रोटी भ्याजो कैहके आग्या कर।”
मरियम स्वरगदुतके कहल्कै, “यि कनङके हेतै? हम त कुमाइरे चियै।”
तु सुन, तोहर नातेदार एलिसिबा आपन बुढ अबस्थामे देहभारी भेल छै, लोकसब ओकरा बाइझ कहैछेलै। महज अखन ओकर कोइखमे छ महिनाके बच्चा छै।