31 देख, आब तोहर देहभारी हेतौ आ तु एकटा बेटाके जलम देबही आ ओकर नाम येसु राखबिही।
उ एकटा बेटा जलमाइतौ आ तु ओकर नाम येसु राखिहे, कथिलेत उ आपन लोकसबके ओकरासबके पापसे बचाइतौ।”
मरियमके बेटा नै जल्मै तक योसेफ ओकरसङे नै सुतलै। जब बालकके जलम भेलै तब योसेफ ओकर नाम येसु राखल्कै।
आठमा दिनमे बालकके खतना भेलै तब ओकर नाम येसु राखल्कै, जे नाम मरियमके देहभारी हैसे पहिने स्वरगदुत देनेरहै।
“देख, कुमाइर छौरीके देहभारी हेतौ आ उ एकटा बेटा जलमाइतौ आ ओकर नाम इम्मानुएल राखल जेतै” जकर अरथ हैछै, “परमेस्वर हमरासबसङे छै।”
महज परमेस्वरके देल समय पुरा भेलाके बाद आपन बेटाके पठाइल्कै। उ जनिके कोखसे जलमलै आ बेबस्थाके अधिनमे जलमल छेलै।
महज स्वरगदुत ओकरा कहल्कै, “ए जकरिया, नै डेरा! तोहर परथना परमेस्वरमे सुइकार भेलछौ। आब तोहर घरबाली एलिसिबा तोहर लेल एकटा बेटा जलमाइतौ, तु ओकर नाम युहन्ना राखिहे।
उ मरियम नामके कुमाइर कन्याके घरमे गेलै, जकरा दाउदके खन्दानके योसेफ नामके लोकसे मङनी भेल छेलै।
“ऐहनङ दाउद खिरिस्टके ‘परभु’ कहैछै त, फेन उ कनङके दाउदके बेटा परलै?”