20 आब सुन, जाबेतक यि बचन पुरा नै हेतै ताबेतक तु बौक भ्याजेब्ही आ बोले नै सकबिही, कथिलेत तु हमर बचनमे बिस्बास नै करलिही, जे आपने समयमे पुरा हेतै।”
जकरा हम परेम करैचियै, तकरा डाटै चियै आ सजाय द्याके सुधारैचियै। साच्चेके पाप करैले छोर आ हमरलग या।
परमेस्वरके करल परतिग्या आ खेल किरिया यि दुनुबात कहियो नै बदल्तै, कथिलेकी परमेस्वर झुठ नै बोलैछै। अहैलेल ओकरमे सरन लैबलासब अपनासबके अगा राखल आसा पाबैले बरका हौसला पाबनेचियै।
जब जकरिया बाहर एलै, तब उ ओइसबसङे बोले नै सक्लै आ हाथसे इसरा करल्कै, जकरिया मन्दिरमे दरसन देख्ने हेतै से उसब बुझल्कै।
उ बिस्बास आ ग्यान अनन्त जिबन पाबैके आसमे अरल छै, यि जिबन कहियो झुठ नै बोलैबला परमेस्वर सन्सार सिरिस्टी हैसे पहिने अपनासबके दैले परतिग्या करने छेलै।
हमसब बिस्बास योग्य नै चियै तैयो उ बिस्बास योग्य रहतै, कथिलेत उ आपनेके इन्कार नै करे सक्तै।
तु धैनके चिही कथिलेत परमेस्वर जे कहने छेलौ ओहै बात पुरा करतौ कैहके तु बिस्बास करलिही तब परमेस्वर काम करल्कौ।”
अन्तमे जब एगारहो चेलासब बैठके खान-पिन करैतरहै तहै बखत येसु ओइसबके बिचमे परगट भेलै। उसबके अबिस्बास आ कठोर हिरदयके कारन येसु उसबके खिस्याइल्कै। कथिलेत उ मरके जिबित भ्याल ओकरा देखैबला सबके बातमे उसब बिस्बास नै करने रहै।
तब येसु ओकरासबके कहल्कै, “ए थेथर पुस्ता, कहियातक हम तोरासबके बिचमे रहबौ? कहियातक बिस्बासमे कमजोरे रहबिही? तोहर बेटाके हमरलग आन।”
महज कतहेक गोरा बिस्बास योग्य नै भेलै त, कि भेलै? उसब बिस्बास योग्य नै भेलै त कि परमेस्वर आपन बचन पुरा नै करतै से?
स्वरगदुत ओकरा कहल्कै, “हम गबरिएल चियै, हम परमेस्वरके अगामे ठार रहैचियै। तोहर सङे बात करैले आ असल समाध सुनाबैले परमेस्वर हमरा पठाइने छै।
ओहैबिच लोकसब मन्दिरके बाहर जकरियाके लेल असियाल रहै, उ कथिले अतेक समय लगाइल्कै कैहके सब लोकसबके आस्चरज लाइगरहल छेलै।
तखुन्ते जकरियाके बाक फुटलै आ उ परमेस्वरके परसन्सा करे लाग्लै।