22 यहुदीसबके डरसे ओकर बाप-महताइर एहेन जबाब देल्कै कथिलेत येसुके मुक्ती दैबला रजा खिरिस्ट जेसब कहतै, तैसबके सभाघरसे निकाले परतै तै बातमे यहुदीसब पैहने सहमत भेलरहै।
उसब तोरासबके सभाघरसबसे निकाइल देतौ। तोरासबके उपर अहिनङो समय एतौ, जे तोरासबके जानोसे मारैबला ‘परमेस्वरके सेबा करैचियै’ कैहके सोच्तै।
तैयो यहुदीसबके डरसे कोइ ओकर बारेमे खोइलके नै बोलैछेलै।
“धैन तुसब, मानबके बेटाके खातिर तोरासबके घिरना करतौ, समाजसे बहिस्कार करतौ, निन्दा करतौ आ बदनाम करतौ त तुसब धैनके हेब्ही।
उसब ओकरा जबाब दैत कहल्कै, “तु त एकदमसे आपन पापेमे जलमल चिही आ तु हमरासबके सिखाबैचिही?” तब उसब ओकरा सभाघरसे बाहर निकाइलदेल्कै।
महज डरपोकसब, बिस्बास नै करैबलासब, घिनलागैबला काम करैबलासब, हतियारासब, बेबिचारीसब, जादु-टोना करैबलासब, मुरती पुजा करैबलासब आ झुठ बोलैबलासबके ठाम त आइग आ गन्धक बरैबला भठिमे हेतै। यि दोसर मिरतु चियै।”
तब महासभाके सदससब गमलिएलके सल्लाह मानल्कै। तब उसब परेरितसबके भितर बोल्याके मारपिट करल्कै आ “येसुके नाममे नै बोलिहे” कैहके आग्या द्याके ओइसबके छोइरदेल्कै।
लोकसब तैयो ओइसबके आदर करैत रहलै, महज ओकरासबमेसे ककरो ओइसबसङे सामेल हैके साहस नै भेलै।
तब ओइसबके बोल्याके आग्या देल्कै, “आबके बाद येसुके नाममे नै बाज आ कोनो सिक्छा नै दहै।”
ओहै दिन अरथात हप्ताके पहिल्का दिनके साँझमे जब यहुदी अगुवासबके डरसे चेलासब केबार बन्द कैरके बैठल रहै, तब तखनिए येसु अनचेकेमे ओकरासबके बिचमे ठार भेलै आ ओकरासबके कहल्कै, “तोरासबके सान्ती!”
तकरबाद अरिमाथिया नगरके योसेफ, जे यहुदीसबके डरके कारन गुप्तमे उ येसुके चेला रहै। उ येसुके लहास लजाइले दिय कैहके बिन्ती करल्कै। तब पिलातस अनुमति देल्कै आ ओकर लहास कुरूससे निचा उताइरके ल्यागेलै।
जखन यहुदी अगुवासब यरुसलेमसे पुजारी आ लेबीके युहन्ना लग “तु के चिही?” कैहके पुछैले पठेल्कै।
यि बात सुनियोके यहुदीसब नै पतिएलै जे उ पैहने अन्हर छेलै आ आब देखे लागल छै। तै खातिर उसब ओकर बाप-महताइरके बोल्याके पुछल्कै,
महज यि कनङके देखे लाग्लै आ के अकर आँख खोइल देल्कै सेहो हमसब नै जानैचियै। तुसब ओकरे पुछ। उ आब बच्चा नै छै, आपनेसे कहतौ।
यहुदीसब ओकरा सभाघरसे निकाइलदेल्कै से बात येसु सुनल्कै तब ओकरा भेटके कहल्कै, “कि तु मानब-बेटामे बिस्बास करैचिही?”