7 जब उसब ओकरा पुछतेके-पुछते रहलासे, उ ठार भ्याके ओकरासबके कहल्कै, “तोरासबमेसे जे कहियो पाप नै करनेचिही, से कोइ पहिने अइ जनिके पथलसे मार।”
जनङ नोन तरकारिके सबदगर बनाइछै तैहनङ तोरासबके बोलिबचन हरदम अनुगरहसे भरल आ सुनैले असल लागैबला हेबे। तुसब असलसे जबाफ कनङके देबे परतै से जाने परतौ।
ओहै खातिर पापसे पस्चाताप कर, नै त हम जल्दिए तोरासबलग एबौ आ हमर मुहसे निकलल तलबारसे उ दुस्ट काम करैबलासबसङे लराइ करबौ।
जाती-जातीके लोकसबके नास करैले ओकर मुहसे धारबला तलबार निकलल छेलै। उ ओइसबके लोहाके डन्टासे सासन करतै आ कोल्हुमे अङगुरके रस निकालल जखा सरबसक्तिमान परमेस्वरके करोध ओइसबके गुन्डीमिसान करतै।
ओकर दहिना हाथसे सातटा तरा पकरने रहलै आ ओकर मुहसे चोखगर दुधारके तलबार निकलल छेलै। ओकर चेहरा दुपहरके सुरुजके रौद जखा चम्कैत छेलै।
पहरेदारसब जबाफ देल्कै, “उ लोक जखा त अखुनतक कोनो लोक नै बोल्नेछै!”
येसु फेनो भुइयामे निहुकके औङरीसे लिखे लाग्लै।
तब येसु ठार भेलै आ उ जनिके देखैत कहल्कै, “हे जनी, उसब कहाँ छौ? कि तोरा कोइ नै दन्ड देल्कौ?”