59 यि बात सुइनके उसब येसुके मारैके लेल पथल उठेल्कै, महज येसु ओइसबसे घोसैरके मन्दिरसे बाहर चैलगेलै।
महज चेलासब येसुके कहल्कै, “गुरु जी, कुछदिन पहिने यहुदीसब अहाँके पथलसे मारैले ताकैतरहै, तैयो कि अहाँ फेनो ओइ ठाममे जाइके मन करैचियै?”
महज यि बात सुइनके उसब आपन-आपन कान मुइनके जोर-जोरसे हल्ला करैत ओकर दिसन मारैले दौरलै।
पिलातस ओइसबके कहल्कै, “अकरा तुसब ल्याजो आ तोरासबके आपन बेबस्था अनुसार नियाइ कर।” तब यहुदीसब पिलातसके कहल्कै, “ककरो मिरतुदन्ड दैके अधिकार हमरासबके नै छै।”
जाबेतक इजोत तोरासबसङे छौ, इजोतमे बिस्बास कर तब तुसब इजोतके बेटा-बेटी हेब्ही।” यि बात कहलाकेबाद येसु ओतेसे चैलगेलै आ ओइसबसे घोसैरके रहेलाग्लै।
तैखातिर येसु फेनो यहुदीसबके बिचमे खुलमखुला नै चलेलाग्लै, महज उजार जगहके नजदिकमे रहल एफराइम नाउके सहरमे गेलै आ आपन चेलासबसङे ओतै रहेलाग्लै।
महज उ के छेलै से निक भेल्हा लोक नै चिन्हैछेलै, कथिलेत ओइ ठाममे भिर भेलासे येसु ओतेसे चैलगेलै।
तकरबाद ओइसबके आँख खुल्लै आ येसुके चिन्हल्कै। तहै बखत येसु ओइसबके अगासे बिलागेलै।
महज फरिसीसब सभाघरसे बाहर निकैलके ओकरा कनङके मारबै कैहके आपनेमे सल्लाह करे लाग्लै।
एक दिन येसु जाइतखिना एकटा लोकके देखल्कै जे जलमेसे अन्हर छेलै।