45 महज हम सत बोलैचियै त तुसब हमरा बिस्बास नै करैचिही।
नास हैबलासबके उ दुस्टतासे छकाइतै, कथिलेत उसब मुक्तीदैबला सतके नै मन पराइल्कै।
कि अखुन हम सत बात बोइलके तोरासबके दुस्मन भेलियौ त?
पिलातस ओकरा पुछल्कै, “कि तु रजे चिही त?” तब येसु जबाफ देल्कै, “हम रजा चियै कैहके अहै त कहैचियै। हम अहै खातिर यि सन्सारमे जलम लेलियै आ सतके बारेमे गबाही दैले सन्सारमे एलियै। जे सतके पक्छमेछै, से हमर बात सुनैछै।”
सन्सारके लोकसब तोरासबके घिरना नै करे सक्तौ, महज हमरा त घिरना करैछै, कथिलेत उसबके काम दुस्ट छै कैहके हम गबाही दैचियै।
तोरासबमेसे कोइ परमानित करेसकैचिही कि हम पापके दोसी चियै? जब हम सत बाइजरहलचियै त कथिले हमरा बिस्बास नै करैचिही?