39 उसब येसुके जबाब देल्कै, “हमरासबके पिता अबराहम चियै।” येसु ओकरासबके कहल्कै, “साँचोके तुसब अबराहमके धियापुता रहतिही त तुसब अबराहमके करल जखा काम करतिही।
तै खातिर तुसब यि जान कि, जे परमेस्वरमे बिस्बास करैछै, ओह्यासब अबराहमके धियापुतासब चियै।
अबराहमके सन्तान कहतेमे सब ओकर बेटा-बेटी नै मानल जाइछै। कथिलेत परमेस्वर अबराहमके कहल्कै से बात पबितर धरमसास्तरमे एहेन लिखल छै, “इसहाकसे जलमल बेटा-बेटिए तोहर सन्तान हेतौ।”
हम जानैचियै कि तुसब अबराहमके धियापुतासब चिही तैयो तुसब हमरा मारैले चाहैचिही कथिलेकी हमर बचन तोरासबके हिरदयमे राखैके ठाम नै छौ।
तब तुसब स्वरगमे रहैबला पिताके धियापुता हेब्ही। उ दुस्ट आ सज्जन दुनुके सुरुजके इजोत दैछै, तैहनङे धरमी आ पापी दुनु उपर पानी बरसाइछै।
‘हमसब अबराहमके सन्तान भेलासे बाँच्बै’ कैहके नै सोच। कथिलेत हम तोरासबके कहैचियौ, परमेस्वर यि पथलोसे अबराहमके खातिर धियापुता जलमा सकैछै।
यदि तुसब खिरिस्टके चिही त अबराहमोके सन्तान चिही आ परमेस्वरके परतिग्या बमोजिम हकबला सेहो चिही।
ओहैसे परमेस्वरके परतिग्या बिस्बास दुवारा पाबैबलाके यि ओकर अनुगरहमे भर परैछै। यि परतिग्या बेबस्था पालन करैबला अबराहमके सन्तानसबके लेल मातरे नै महज अबराहम जखा बिस्बास कैरके जियैबलासबके लेल चियै, कथिलेत अबराहम सबके पुरखा चियै।
अहिनङे यहुदीसब खतना कैरके मातरे नै, महज उसब अबराहम जखा बिस्बासमे चलैके कारन अबराहम उ यहुदीसबके सेहो आत्मिक पुरखा भेलै।
उसब येसुके कहल्कै, “हमसब अबराहमके धियापुता चियै आ कहियो नै ककरो दास बनल चियै। तब तोरासबके छुटकारा देतौ कनङके कहैले सक्बै?”
हमर कहल बात तुसब कथिले नै बुझैचिही? कथिलेकी तुसब हमर कहल बचन सुनैयोले नै चाहैचिही।
तोरासबके पुरखा अबराहम हमर आबैबला दिन देखैके लेल बहुते इक्छा करने छेलै। उ देख्बो करल्कै आ बहुत खुसियो भेलै।”