18 आपन बारेमे साक्छी दैबला एक गोरा त हम अपने चियै आ दोसर साक्छी पिता चियै जे हमरा पठेल्कै।”
तब येसु ओकरासबके कहल्कै, “हम तोरासबके साँचोके कहैचियौ, अबराहमके जलमसे पहिनेसे हम चियै।”
हम आपन पितासङे रहैबखत जे कुछो देखने चियै ओह्या बात बाजैचियै आ तुसब आपन पितासे जे सुन्ने चिही ओह्या करैचिही।”
परमेस्वर बहुतरा चेन्हासब देखाके बहुत किसिमके आस्चरजके कामसब आ सक्तीसाली कामसब करैत उ आपन इक्छा बमोजिम पबितर आत्माके दान-बरदानसब द्याके यि बातके गबाही देल्कै।
येसु कहल्कै, “बाट, सत आ जिबन हम्ही चियै। बिना हमरसे कोइ नै पितालग पुइग सकैछै।
“असल चरबाह हम्ही चियै। हम आपन भेरासबके चिन्हैचियै आ भेरोसब हमरा चिन्हैछै,
“असल चरबाह हम्ही चियै। असल चरबाह त आपन भेंरासबके लेल आपन परानो दैले पछा नै हटैछै।
ढुकैबला केबार हम्ही चियै, जे कोइ हमरबाटे ढुकतै से कोइ बाच्तै। उ भितर-बाहर करतै आ घास हैबला ठाममे चरैले पाबतै।
साँचोके हम तोरासबके कहैचियौ, यदी जे कोइ हमर कहल बचनके पालन करतै त उ कहियो नै मरतै।”
उसब येसुके पुछल्कै, “अहाँ के चियै त?” येसु जबाफदैत कहल्कै, “हम ओह्या चियै, जे सुरुवेसे कहैत आइबरहलचियौ।”
तब येसु फेनो लोकसबके कहल्कै, “सन्सारके इजोत हम्ही चियौ। हमर पछा चलैबला अन्हारमे कहियो नै चल्तै, महज उ जिबनके इजोत पाबतै।”
पिता आ हम एके चियै।”
तब येसु ओकरा कहल्कै, “पुनरुथान आ जिबन हम्ही चियै। जे हमरा बिस्बास करतै, उ मरबो करतै त जिबित हेतै।