30 तैखातिर उसब येसुके पकरैले ताकैछेलै, महज कोइ नै ओकर उपरमे हाथ लगाइल्कै। कथिलेत ओकर समय अखुन तलिक नै एलछेलै।
तब फेनो उसब येसुके पकरैले कोसिस करल्कै महज उ ओकरासबके हाथसे निकैलके चैलगेलै।
येसु यि बात मन्दिरमे भेटी चरहाबैबला बाकसके लगमे सिक्छा दैतकाल कहने छेलै। तैयो ओकरा कोइने पकरल्कै, कथिलेकी ओकर समय नै एलछेलै।
तब येसु उसबके कहल्कै, “हमर लेल अखुनोतक ओते जाइले उचित समय नै एलछै। महज तोरासबके लेल कोनोभी समय उचितछौ।
जब फरिसीसब भिरमे येसुके बारेमे गुदुरफुसुर करैत सुनल्कै, तब मुल पुजारीसब आ फरिसीसब ओकरा पकरैले मन्दिरके पहरेदारसबके पठेल्कै।
मुल पुजारीसब आ फरिसीसब येसुके पकरैले ताकैछेलै। तैल्याके उसब येसु कते छै थाह भेल्हासबके समाद आनैले आग्या देनेछेलै।
हमरा पठाइबलाके कामसब अपनासबके दिन रहिते करे परतौ, कथिलेत रातके अन्हारमे कोइ नै काम करे सकैछै।
यि बात सुइनके उसब येसुके मारैके लेल पथल उठेल्कै, महज येसु ओइसबसे घोसैरके मन्दिरसे बाहर चैलगेलै।
हम जानैचियै कि तुसब अबराहमके धियापुतासब चिही तैयो तुसब हमरा मारैले चाहैचिही कथिलेकी हमर बचन तोरासबके हिरदयमे राखैके ठाम नै छौ।
मोसा तोरासबके बेबस्था देल्कौ, महज तुसब कोइ नै पालन करैचिही। तोरासब कथिले हमरा मारैले मौका ताकैचिही?”
तुसब पाबैन मनाइले जो, अखुन अइ पाबैनमे हम नै जेबौ, कथिलेत हमर समय अखुन नै एलछै।”
हम सबदिन मन्दिरमे तोरेऔरकेसङे छेलियौ। महज हमरा पकरैले तोरौरके साहस नै करलिही। आब तोरौरके काम करैबला समय उहे चियौ आ सैतानके सक्ती ऐहनङे राज करतौ।”
तब धरमगुरुसब आ मुल पुजारीसब येसुके तखुन्ते पकरैले चाहल्कै, कथिलेत उसब जानैछेलै कि यि दिस्टान्त ओहैसबके बिरुधमे कहने रहै। महज उसब लोकसबसे डराबै छेलै।
तब मुल पुजारीसब आ धरमगुरुसब यि बात सुइनके येसुके कनङके मारल जेतै तकर उपाय सोचे लाग्लै। महज उसब ओकरसे डराबैछेलै, कथिलेत लोकसबके पुरा भिर ओकर सिक्छा सुइनके अच्चम मान्ने रहै।
तैखातिर उसब ओकरा पकरैले चाहल्कै, महज उसब लोकसबसे डराबै छेलै। कथिलेत लोकसब ओकरा एक अगमबक्ता चियै कैहके ठानैछेलै।
यहुदी अगुवासब फेनो येसुके मारैके लेल पथल उठाइल्कै।
महज फरिसीसब सभाघरसे बाहर निकैलके ओकरा कनङके मारबै कैहके आपनेमे सल्लाह करे लाग्लै।