20 तब भिरके लोकसब कहल्कै, “तोरा त भुत लागल छौ। तोरा के मारैले मौका ताकैछौ?”
ओइसबमेसे बहुतो गोरा कहेलाग्लै, “अकरा त भुत लागल छै आ बताह भेलछै। तुसब कथिले अकर बात सुनैचिही?”
यि बातसब सुइनके यहुदी अगुवासब येसुके कहल्कै, “तु सामरी चिही आ तोरा भुत लागल छौ। कि हमसब ठिके कहैचियौ नै?”
तखन यहुदी अगुवासब ओकरा कहल्कै, “आब त साँचेके हमसब जाइन गेलियै कि, तोरा भुत लागल छौ। अबराहम मरलै आ अगमबक्तासब सेहो मरलै, महज तु कहैचिही कि ‘यदी कोनो लोक हमर बचनके पालन करतै त उ कहियो नै मरतै।’
येसु यि बचन ओइसबके कहल्कै, कथिलेत “ओकरमे असुध आत्मा छै” कैहके उसब कहने छेलै।
पावल यि बातसब आपन बचाउके लेल कहैत खिना फेस्तस जोरसे कहल्कै, “ऐ, पावल तुहे पागल भ्यागेल चिही! तोहर बहुत ग्यान तोरा पागल बन्यादेनेछौ।”
महज यि सुइनके फरिसीसब कहल्कै, “यि लोक त भुतसबके रजा बालजिबुलके सक्तिसे भुतसब निकालैछै।”
तै खातिर चेला आपन गुरु जखा आ नोकर आपन मालिक जखा भेनाइ बहुत चियै। यदी उसब घरेके मालिकके बालजिबुल कहैछै त ओकर खानदानके औरो कि-कि नै कहतै!
महज फेनो फरिसीसब कहेलाग्लै कि “यि भुतसबके मालिकसे भुत निकालैछै।”
येसु कहल्कै, “हमरा भुत नै लागल छै। हम आपन पिताके आदर करैचियै आ तुसब हमरा अनादर करैचिही।