10 येसुके भाइसब पाबैनमे चैलगेलाके बाद येसु सेहो गेलै। उ खुलमखुला नै महज घोसैरके गेलै।
“देख, हम तोरासबके भेंरा जखा नरहियासबके बिचमे पठाइचियौ, तै खातिर तुसब साँप जखा चलाक आ पौरकी जखा सिधा-साधा रह।
महज परमेस्वरके देल समय पुरा भेलाके बाद आपन बेटाके पठाइल्कै। उ जनिके कोखसे जलमलै आ बेबस्थाके अधिनमे जलमल छेलै।
तैखातिर येसु फेनो यहुदीसबके बिचमे खुलमखुला नै चलेलाग्लै, महज उजार जगहके नजदिकमे रहल एफराइम नाउके सहरमे गेलै आ आपन चेलासबसङे ओतै रहेलाग्लै।
कथिलेत ओकर आपने भाइसब ओकरा बिस्बास नै करैछेलै।
तैखातिर ओकर भाइसब ओकरा कहल्कै, “यि ठाम छोइरके यहुदिया चैलजाउ, कि अहाँ जे कामसब कैररहल चियै से ओतेका चेलासब सेहो देखे।
तब येसु युहन्नाके कहल्कै, “अखुन अहिनङे हेबे दियौ। कथिलेत अपनासबके खातिर एह्या उचित छै जे अहिनङे सब धारमिकताके पुरा करे परतै।” तब युहन्ना ओकर बात मानैले राजी भेलै।
जब येसु भिरके लोकसबसङे बात कैररहल छेलै तखैन ओकर माँ आ भाइसब ओते एलै आ ओकरसे बात करैके लेल बाहरमे असियाल छेलै।
जब येसुके परिबार यि सुनल्कै, तब येसुके लैले उसब निकल्लै, कथिलेत ओकर मन आपन ठाममे नै छै कैहके उसब कहैछेलै।
यि बात कैहके येसु गालिलेमे रहलै।