71 येसु यि बात सिमोन इस्कोरियोतके बेटा यहुदाके बारेमे कहने छेलै, कथिलेत उ बारहो चेलासबमेसे एकटा हैतोमे येसुके धोखा दैले लागल छेलै।
कथिलेकी परमेस्वरके आदर नै करैबला कोइ-कोइ पैहनिए दोसी ठहरल लोकसब तोरासबके बिचमे ककरो थाह नै द्याके ढुकल छौ। उसब परमेस्वरके नै मानैछै। परमेस्वरके देल अनुगरहके अधलाह कामसब करैले हथियार बनाइनेछै तब येसु खिरिस्टके एक मातरे परभु आ मालिक चियै सेहो कहैले इन्कार करैछै।
परमेस्वरके आपन निस्चित योजना आ ग्यान अनुसार पकरल गेलै। एह्या येसुके अधरमी लोकसबके हाथसे तुसब कुरूसमे किल्ला ठोइकके मारलिही।
तब येसु जबाफ देल्कै, “जकरा हम यि रोटीके खुन्डी बोइरके देबौ, उ ओह्या चियौ।” तब येसु रोटीके खुन्डी बाटीमे बोइरके सिमोनके बेटा यहुदा इस्करियोतके देल्कै।
उ बारहो परेरितसब एह्या चियै- पहिन्का सिमोन, जकर नाम पतरुसो चियै आ ओकर भाइ अन्दरियास, जब्दियाके बेटा याकुब आ ओकर भाइ युहन्ना,
“देस भक्त” सिमोन कनानी आ यहुदा इस्करियोती, जे येसुके धोखा देने रहै।
तब बारह चेलासबमेसे यहुदा इस्करियोती येसुके मुख पुजारीसबके हाथमे पकराबैके खातिर ओकरेसब लग गेलै।
येसु आ ओकर चेलासबके बियाहमे नौता देने रहै।
महज तोरासबमेसे कतहेक गोरा हमरा बिस्बासे नै करैछै।” (बिस्बास नै करेबला के छेलै आ ओकरा धोखा दैबला के छेलै से बात येसु सुरुवेसे जानैछेलै।)
येसु ओकरासबके कहल्कै, “कि हम तोरा बारहो गोराके नै छान्ने चियौ से? महज तैयो तोरासबमेसे एक गोराके सैतान चलाइनेछौ।”
महज येसुके चेलासबमेसे एक गोरा यहुदा इस्करियोती कहल्कै, (जे पछा आइबके धोखा देल्कै)
तब येसु आपन चेलासबसङे साँझके भोजन खाइछेलै। सैतान पहिनेसे सिमोनके बेटा यहुदा इस्कोरियोतके मनमे ओकरा पकरादैके बिचार राइखदेने छेलै।
येसु ओइसबके बिचमे रहैतकाल उ बारह चेलासबमेसे थोमा जकर उपनाम जौवा छेलै, उ ओइसबसङे नै छेलै।