68 सिमोन पतरुस जबाफ देल्कै, “हे परभु, हमसब कते जेबै? अहाँसङे अनन्त जिबन दैबला बचन छै।
“हम साँचोके तोरासबके कहैचियौ, जे हमर बचन सुनैछै आ हमरा पठाइबलाके उपर बिस्बास करैछै, ओकरसङे अनन्त जिबन छै। उ नियाइमे नै परतै, महज मिरतुसे पार भ्याके उ जिबनमे परबेस करने छै।
“येसु बाहेक औरो कोइ दोसरमे उदार नै छै, कथिलेत हमरासबके उदार पाबैले स्वरगके निचा लोकसबके बिचमे औरो कोनो दोसर नाम नै देनेछै।”
“जो आ मन्दिरमे ठार भ्याके नया जिबन दैबला सब सन्देस लोकसबके सुना।”
मोसा उजार जगहमे अपनासबके पुरखासबसङे छेलै। ओते स्वरगदुत ओकरजरे सिनै परबतमे बोलल छेलै आ स्वरगदुतसे पाबल जिबित बचनसब इजराएलीसबके सुनेल्कै।
जिबन दैबला त परमेस्वरके आत्मा चियै। देहके कोनो महत्व नै छै। जे बचन हम तोरासबके देनेचियौ, उ परमेस्वरके आत्मासे एलचियै आ तोरासबके जिबन देतौ।
सिमोन पतरुस जबाफ देल्कै, “अहाँ त खिरिस्ट चियै, जिबित परमेस्वरके बेटा।”
कथिलेत हमर पिताके इक्छा यि चियै, कि बेटाके ताकैबला आ ओकरा बिस्बास करैबला सबकोइ अनन्त जिबन पाबे। हम ओकरा अन्तके दिनमे मरलसे जिबित करबै।”
कथिलेत अहाँके देल सिक्छा हम ओइसबके देनेचियै आ उसब उ सुइकार करने छै। हम अहाँसे एलचियै कैहके उसब साँचोके बुझनेछै। तब हमरा अहै पठेलियै कैहके उसब बिस्बास करने छै।
तब येसु उसबके पुछल्कै, “महज तुसब हमरा के चियै कहैचिही त?” पतरुस जबाफ देल्कै, “अहाँ त खिरिस्ट चियै।”
महज येसु ओकरासबके कहल्कै, “तुसब कथी कहैचिही त? हम के चियै?” तब पतरुस जबाफदैत कहल्कै, “अहाँ त परमेस्वरके पठेल्हा मुक्ती दैबला खिरिस्ट चियै!”
कथिलेकी हम आपने मनसे नै बाजैचियै महज हम कथी कहबै आ बोल्बै तैके आदेस हमरा पठाइबला पिता आपनेसे देने छै।
हम जानैचियै कि ओकर आग्या अनन्त जिबन चियै। ओहैसे पिता हमरा जे कहैले लगाइनेछेलै ओह्या बात हम बाजैचियै।”
“ऐ, अबराहमके कुलके धियापुता आ ओकरौरके परमेस्वरके डर मानैबला चाहे उ आने जातीके कियनै हेबै, कथिलेत यि मुक्तीके खबर परमेस्वर अपनासबके खातिर पठाइने छै।
[फिलिप जबाब देल्कै, “यदी अहाँ पुरा मनसे बिस्बास करैचियै त बप्तिस्मा ल्यासकैचियै।” उ कहल्कै, “हम बिस्बास करैचियै जे येसु खिरिस्टे परमेस्वरके बेटा चियै।”]