47 “साँचोके हम तोरासबके कहैचियौ, जे बिस्बास करैछै, ओकरसङे अनन्त जिबन छै।
जे कोइ परमेस्वरके बेटामे बिस्बास करैछै, ओकरसङे अनन्त जिबन छै। जे कोइ परमेस्वरके बेटाके नै मानैछै, से कोइ अनन्त जिबन नै पाबतै महज ओकर उपर परमेस्वरके करोध परतै।
“हम साँचोके तोरासबके कहैचियौ, जे हमर बचन सुनैछै आ हमरा पठाइबलाके उपर बिस्बास करैछै, ओकरसङे अनन्त जिबन छै। उ नियाइमे नै परतै, महज मिरतुसे पार भ्याके उ जिबनमे परबेस करने छै।
ओकर उपर बिस्बास करैबला कोइने दोसी ठहरतै, महज ओकर उपर बिस्बास नै करैबलासब पहिने दोसी ठहैरगेलछै। कथिलेत उसब परमेस्वरके एकलौता बेटाके बिस्बास नै करने छै।
कथिलेकी परमेस्वर सन्सारके लोकसबके एहेन परेम करल्कै कि उ आपन एकलौता बेटाके देल्कै। ओकर उपर बिस्बास करैबला नास नै हेतै, महज उ अनन्त जिबन पाबतै।
जे हमर देह खेतै आ लहु पितै ओकरसङे अनन्त जिबन रहतै आ अन्तके दिनमे हम ओकरा जियाइबै।
कथिलेत हमर पिताके इक्छा यि चियै, कि बेटाके ताकैबला आ ओकरा बिस्बास करैबला सबकोइ अनन्त जिबन पाबे। हम ओकरा अन्तके दिनमे मरलसे जिबित करबै।”
कुछ देरके बाद हमरा फेनो सन्सार नै देख्तै, महज तुसब हमरा देखबिही। हम जिबित भेलाके कारन, तुहुसब जिबित रहबिही।
नास हैबला भोजनके खातिर मेहनत नै कर महज अनन्त जिबन तक रहैबला भोजनके लेल मेहनत कर, जे मानबके बेटा तोरासबके देतौ। कथिलेत परमेस्वर पिता ओकर उपर आपन छाप लगादेनेछै।”
महज हम त स्वरगसे एल रोटीके बारेमे कहैचियौ, जे कोइ यि रोटी खेतै, से कोइ कहियो नै मरतै।
स्वरगसे एल जिबित रोटी त हम्ही चियै। जे कोइ यि रोटी खेतै, से कोइ सबदिन जिबित रहतै। सन्सारके लोकसबके जिबनके लेल जे रोटी हम दैचियै, उ हमर देह चियै।”
यि उ रोटी नै चियै, जे तोरासबके पिता-पुरखासब खेल्कौ आ मैरगेलौ। महज जे यि रोटी खेतै, उ सबदिन जिबित रहतै।”
आ जे कोइ हमरमे जियैछै आ बिस्बास करैछै उ कहियो नै मरतै। कि तु यि बातमे बिस्बास करैचिही?”