45 “यि नै सोच कि, हम तोरासबके पिताके अगा दोस लगाइबौ। तोरासबके दोस लगाइबला त मोसा चियौ, जकरामे तुसब आस करनेचिही।
बेबस्था पालन कैरके धरमी हैले चाहैबलासब सरापके अधिनमे रहैछै कथिलेत पबितर धरमसास्तर कहैछै, “बेबस्थाके किताबमे लिखल सब बात नै मानैबला लोकसब सरापित हैछै।”
मोसाके बेबस्था पाबलहा यहुदीसब पाप करतै त उसबके बेबस्था दुवारा नियाय हेतै आ मोसाके बेबस्था गैर-यहुदीसबके नहियो भेलापरभी उसब पाप करतै त नास हेतै।
मोसा तोरासबके बेबस्था देल्कौ, महज तुसब कोइ नै पालन करैचिही। तोरासब कथिले हमरा मारैले मौका ताकैचिही?”
ओकर यि बात सुइनके पहिने बुढवासबसे ल्याके छोटकातक एक-एक कैरके ओतेसे चैलगेलै। अन्तमे ओते येसु असगरे रैहगेलै आ उ जनी ओकर अगा ठार भ्याल रहलै।
महज अबराहम कहल्कै, ‘ओकरौरके सङे मोसा आ अगमबक्तासबके लिखल पबितर धरमसास्तरसब छौ त, ओकरे मानतौ त नै हेतौ!’
जे हमरा आ हमर बचनके इन्कार करैछै तकरा नियाय करैबला एकगोरा छै। हमर बोलल बचनेसे अन्तके दिनमे ओइसबके उ नियाय कैरदेतै।