26 कथिलेत जहिनङे पिता आपनेमे जिबनके मुल चियै, तहिनङे उ आपन बेटोके जिबनके मुल बनाइनेछै,
आ जे कोइ हमरमे जियैछै आ बिस्बास करैछै उ कहियो नै मरतै। कि तु यि बातमे बिस्बास करैचिही?”
बचन सिरिस्टी भेल सब चिजके जिबन दैबला छेलै। यि जिबन दैबला लोकसबके लेल इजोत छेलै।
येसु कहल्कै, “बाट, सत आ जिबन हम्ही चियै। बिना हमरसे कोइ नै पितालग पुइग सकैछै।
पबितर आत्मा आ कनिया कहैछै, “आबु!” जे लोक सुनैछै, उहो लोक कहे कि, “आबु।” जे पियासल छै, उ आबे आ जकरा इक्छा लागैछै उ जिबनके पानी मङनिएमे पिबे!
जुगो-जुगके रजा, अमर, देखा नै परैबला एक मातरे परमेस्वरके आदर-भाव आ महिमा सबदिन हैते रहे। आमेन।
तैखातिर पबितर धरमसास्तरमे एहेन लिखल छै, “पहिल्का लोक आदम जिबित परानी भेलै।” महज अन्तिम आदम अरथात खिरिस्ट जिबन दैबला आत्मा चियै।
तकरबाद स्वरगदुत हमरा इस्फटिक जखा चमकदार जिबनके पानीके लदी देखल्कै। उ लदी परमेस्वर आ थुमाके सिंहासनसे निकैलके,
उ हमरा कहल्कै, “आब सबकाम पुरा भ्यागेलै! अल्फा आ ओमेगा, सुरु आ अन्त हम्ही चियै। जकरा-जकरा पियास लागल छै, हम ओइसबके मङनिएमे जिबनके पानीके भबसे पियैले देबै।
उ अजर-अमर रहैबला आ उ एहेन इजोतमे बास करैछै जकर लगमे कोइ नै जाइले सकैछै। ओकरा कोइयो नै देखने छै आ नै देखे सक्तै। सब आदर आ सब सक्ति, सबदिन ओकरे चियै। आमेन।
ओकरा लोकके कोनो चरहौवा चिजके जरुरत नै परैछै, महज ओह्या लोकसबके जिबन, परान आ सब चिज दैछै।
कुछ देरके बाद हमरा फेनो सन्सार नै देख्तै, महज तुसब हमरा देखबिही। हम जिबित भेलाके कारन, तुहुसब जिबित रहबिही।
साँचोके हम तोरासबके कहैचियौ, यदी जे कोइ हमर कहल बचनके पालन करतै त उ कहियो नै मरतै।”
येसु ओकरा जबाब देल्कै, “परमेस्वर तोरा दैबला बरदानके आ तोहर सङे पानी माङैबला लोकके चिनतिही त, तु ओकरसे माङतिही आ उ तोरा जिबनके पानी देतियौ।”
कथिलेत सिंहासनके बिचमे रहैबला थुमा ओकरासबके चरबाहा हेतै, ओकरासबके डोरियाइत जिबनके पानीके मुलमे लजेतै आ परमेस्वर ओकरासबके आँखके सब लोर पोइछदेतै।”
जहिनङे हमर पिता हमरा पठेल्कै आ हम ओकर कारनसे जिबित चियै, ओहिनङे हमर देह खाइबला हमर कारनसे जिबित रहतै।
कोइने हमर परान हमरासे लैले सक्तै, महज हम आपने राजिखुसीसे दैचियै। आपन परान दैके अधिकार हमरेसङे छै आ फेनो ओकरा लैयोके अधिकार छै। एह्या आग्या हम आपन पितासे पाबनेचियै।”
तब येसु ओकरा कहल्कै, “पुनरुथान आ जिबन हम्ही चियै। जे हमरा बिस्बास करतै, उ मरबो करतै त जिबित हेतै।
महज यि अन्तके दिनसबमे उ आपन बेटा दुवारा अपनासबसङे बोलैछै। उ आपन बेटाके सब चिजके उतराधिकार हैकेलेल नियुक्त करल्कै आ ओकरे दुवारा सब चिजके सिरिस्टी करल्कै।