2 यरुसलेम सहरमे भेरा-केबारके लगमे एकटा पोखैर छेलै। जकरा हिबरु भसामे बेथस्दा कहैछै, जकर चारुकात पाँचटा दलान छेलै।
सेनापती अनुमति देल्कै तब पावल सिरहीमे ठार भ्याके हाथसे सान्त हैले इसरा करल्कै। जब लोकसब सान्त भेलै तब पावल हिबरु भसामे बोलैले लाग्लै।
तब येसु मरियमके कहल्कै, “मरियम!” उ घुइमके हिबरु भसामे कहल्कै, “रब्बी!” जकर अरथ “गुरु जी” चियै।
तब येसु आपन कुरूस आपनेसे बोइकके खप्पर कहाइबला पहारमे गेलै, जकरा हिबरु भसामे गलगथा कहैछै।
यि बात सुइनके पिलातस येसुके दरबारसे बाहर आनल्कै। उ नियाइ करैबला ठाममे बैठलै। ओइ ठामके “पथलके चबुतरा” कहैछै, जकरा हिबरु भसामे “गब्बथा” कहैछै।
बहुतो यहुदीसब उ दोस-पतर परहल्कै, कथिलेत येसुके कुरूसमे टाङलाहा ठाम सहरके लगेमे छेलै आ उ हिबरु, ल्याटिन आ गिरिक भसामे लिखल छेलै।
ओते अन्हरा, नेङरा, लकबा मारल बहुतो लोकसब परल रहैछेलै। [उसब कोन बखत पोखैरके पानी हिलाइतै तै आसमे असियाल रहैछेलै।
येसु उसबके जबाफदैत कहल्कै, “हम एकटा अजगुतके काम करलियौ आ सबकोइ छक परलिही।
नरकके दुत ओइसबके रजा छेलै। हिबरु भसामे ओकर नाम “एबाड्डोन” आ गिरीक भसामे ओकर नाम “अपोल्लियोन” चियै। जकर अरथ “नास करैबला” चियै।
तब हिबरु भसामे आर-मागेड्डोन कहैबला ठाउमे उ असुध आत्मासब रजासबके जमा करल्कै।