10 तैखातिर यहुदी अगुवासब निक भेल लोकके कहल्कै, “आइके त बिसरामके दिन चियौ, बेबस्था अनुसार तोरा बिछौना नै बोकैके चाही।”
कोनो-कोनो फरिसीसब कहल्कै, “यि लोक परमेस्वर दिसनसे नै एलछै, कथिलेत उ पबितर बिसराम दिनके पालन नै करैछै।” महज दोसर लोकसब कहेलाग्लै, “जे पापी हेतै, उ एहेन अचमके चेन्हासब कनङके देखाइले सक्तै?” अहै बातमे ओइसबके आपनमे मतभेद भ्यागेलै।
यि देखके फरिसीसब ओइसबके कहल्कै, “पबितर बिसराम दिनमे नियम बिपरित तुसब कथिले करैचिही?”
उ जनी पबितर बिसरामके दिनमे निक भेल देखके यहुदी सभाघरके सासक खिस्यागेलै। तब उ लोकसबके कहल्कै, “काम करैबला हप्ताके छ दिन छै! अइ खातिर छ दिनके भितर आइबके निक हो, महज पबितर बिसरामके दिनमे नै।”
येसु ओइसबके कहल्कै, “बिसराम दिनमे भलाइ करनाइ कि खराब करनाइ, परान बचेनाइ कि मारनाइ, कोन उचित छै?” महज उसब जबाब नै देल्कै।
यि देखके फरिसीसब येसुके कहल्कै, “पबितर बिसरामके दिनमे कथिले तुसब नियम बिपरित करैचिही?”
तैल्याके यहुदी अगुवासब येसुके सताबे लाग्लै, कथिलेत उ यि काम बिसराम दिनमे करने छेलै।
यदि मोसाके देल बेबस्था भङ नै हेबे कैहके बिसरामके दिनमे खतना करैचिही त हम बिसरामके दिनमे एकटा लोकके निक करलियौ त कथिले तुसब हमरसे खिस्याइचिही?
तब उसब घुइमके घर एलै, लहासके लगाइले गमकौवा अतर आ तेल तैयार करल्कै। तब नियम अनुसार पबितर बिसरामके दिनमे उसब अराम करल्कै।
ओते एकटा सुखलहा हाथबला लोक छेलै। तब फरिसीसब येसुके दोस लगाइके बिचारसे ओकरा पुछल्कै, “कि बिसरामके दिनमे बिमार लोकसबके निक करनाइ उचित छै?”
जखन यहुदी अगुवासब यरुसलेमसे पुजारी आ लेबीके युहन्ना लग “तु के चिही?” कैहके पुछैले पठेल्कै।
महज उ लोक जबाफ देल्कै, “जे लोक हमरा निक करल्कै ओह्या लोक हमरा ‘बिछौना बोइकके चल’ कहल्कै।”
तकरबाद उ लोक यहुदी अगुवासब लग ज्याके “हमरा निक करैबला त येसु चियै” कहैके सुनाइल्कै।