30 यि बात सुइनके लोकसब सहरसे निकैलके येसुके देखैले एलै।
लोकसब अपना कतहेक पाप करनेचियै से जानैके लेल परमेस्वर ओकरासबके बेबस्था देल्कै। लोकसबके पाप जतहेक बरहैत गेलै परमेस्वरके अनुगरह ओतहेक बेसिसे बरहैत गेलै।
जखुन पावल आ बरनाबास सभाघरसे बाहर निकलैत खिना आबैबला बिसरामके दिन यि बात सुन्या दैहे कैहके लोकसब ओइ दुनु गोराके बिन्ती करल्कै।
तब हम तुरन्ते अहाँके बोलाइले लोक पठेलियौ आ अहाँ थाकैत-पिराइत अते एलियै। आब हम सबगोरा अते परमेस्वरके सामने चियै आ परभु जे कुछ अहाँके कहैले आग्या देने छै, से सब बात सुनैले हमसब बैठल चियै।”
तब येसु बातके ओराइत कहल्कै, “अहिनङे जे पछा छै, से अगा हेतै आ जे अगा छै से पछा हेतै।”
“अहैलेल तोरासबके थाह हेबे कि परमेस्वरके यि मुक्ती गैर-यहुदीके लेल पठालगेल छै आ उसब सुन्तै।”
“आबैजो, अते आइबके एकटा लोकके देख! हमर करल सबकाम उ हमरा कैहदेल्कै। कि ओह्या मुक्ती दैबला रजा खिरिस्ट त नै चियै?”
ओह्या बखत चेलासब येसुके बिन्ती करैत कहल्कै, “गुरु जी, कुछ ख्या लिय।”
“अखुनतक हमर करलहा सबकाम उ हमरा कैहदेल्कै” कैहके जनिके द्याल गबाहिसे ओइ गामके सामरीसबमेसे बहौत गोरा येसुमे बिस्बास करल्कै।