26 येसु ओकरा कहल्कै, “हम, जे तोहर सङे बात कैररहल चियौ, हम ओह्या चियौ।”
अहैलेल हम ‘तुसब आपने पापमे मरबिही’ कहलियौ। यदि हम ओह्या चियै कैहके बिस्बास नै करबिही त तुसब साँचोके आपन पापमे मरबिही।”
आब सुन! जे अखन पछिल्का छै उ पहिन्का हेतै आ जे अखन पहिन्का छै उ पछिल्का हेतै।”
कि आपन इक्छा लागल लोकके आपने पैसा-कौरी दैले हमरा अधिकार नै छै? हम ओकरा दया करलियै त तोरा कथिले डाह हैछौ’?”
तकरबाद येसु आपन चेलासबके करा आग्या दैत कहल्कै, “यि बात ककरो नै कहिहे, कि उ मुक्ती दैबला खिरिस्ट चियै।”
तहैलेल येसु कहल्कै, “जब तुसब मानबके बेटाके उपर उठाइबिही, तखन तुसब जानबिही कि हम ओह्या चियै। हम आपने मनसे कुछो नै करैचियै महज पिता हमरा जे कुछो सिखाइने छै, ओह्या बात बोलैचियै कैहके तुहुसब बुझबिही।
यि घटना हैसे पहिने हम तोरासबके कहैचियौ। तहैलेल जब उ हेतौ तब ‘हम ओह्या चियौ’ कैहके तुसब बिस्बास करबिही।