15 तब सामरी जनी कहल्कै, “मालिक, से बात छै त हमरा ओह्या पानी दिय। तब हम फेनो कहियो नै पियासल रहबै आ अते पानीयो भरैले आबे नै परतै।”
उसब ओकरा कहल्कै, “परभु, एह्या रोटी हमरासबके सबदिन दिय!”
आपन पाप स्वभाबके अधिनमे चलैबला लोक पापे स्वभाबके इक्छामे मन लगाइछै महज पबितर आत्मा अनुसार चलैबला लोक पबितर आत्माके इक्छामे मन लगाबैछै।
कथिलेत पाप करैबलाके बैन मिरतु चियै, महज फोक्टेमे देल परमेस्वरके बरदान त अनन्त जिबन चियै जे अपनासबके परभु येसु खिरिस्टमे देनेछै।
येसु ओइसबके जबाब देल्कै, “हम तोरासबके साँचोके कहैचियौ, तुसब अचमके कामसब देखके नै महज रोटी ख्याके अगहेलासे हमरा ताकैचिही।
अपनासब जानैचियै कि परमेस्वरके बेटा आइबगेल छै आ सत परमेस्वरके चिन्हैले उ अपनासबके समझसक्ती देने छै। हमसब ओकर बेटा येसु खिरिस्टमे भेलासे सत परमेस्वरमे चियै। ओह्या सत परमेस्वर आ अनन्त जिबन चियै।
तुसब माङैचिही महज नै पाबैचिही, कथिलेकी आपन अभिलासा पुरा करैके लेल बेठिक हिसाबसे माङैचिही।
जै लोकमे परमेस्वरके आत्मा नै छै, उ लोक परमेस्वरके आत्माके बातसबके गरहन नै करैछै। कथिलेत एहैन बातसब ओकरलेल मुरुख बात हैछै। एहैन बात त परमेस्वरके आत्मासे मातरे बुझैले सकैछै।
तब येसु कहल्कै, “जो आ तोहर घरबलाके बोल्याके अते आन।”
तब येसु फेनो उसबके कहल्कै, “जिबनके रोटी हम्ही चियौ। जे हमरलग एतै उ कहियो नै भुखल रहतै आ हमरमे बिस्बास करैबला कहियो नै पियासल रहतै।