14 महज हमर देल पानी पियैबला फेनो कहियो नै पियासल रहतै, कथिलेत हमर देल पानी ओकर भितरसे निकलैबला पानीके मुल हेतै आ ओकरा अनन्त जिबन देतै।”
तब येसु फेनो उसबके कहल्कै, “जिबनके रोटी हम्ही चियौ। जे हमरलग एतै उ कहियो नै भुखल रहतै आ हमरमे बिस्बास करैबला कहियो नै पियासल रहतै।
उसब कहियो नै भुखल आ पियासल रहतै। उसबके सुरुजके टहटहवा रौद या नै कोनो जराइबला धाहसे हानी करतै।
आ जे कोइ हमरमे जियैछै आ बिस्बास करैछै उ कहियो नै मरतै। कि तु यि बातमे बिस्बास करैचिही?”
यि उ रोटी नै चियै, जे तोरासबके पिता-पुरखासब खेल्कौ आ मैरगेलौ। महज जे यि रोटी खेतै, उ सबदिन जिबित रहतै।”
अपनासब जानैचियै कि परमेस्वरके बेटा आइबगेल छै आ सत परमेस्वरके चिन्हैले उ अपनासबके समझसक्ती देने छै। हमसब ओकर बेटा येसु खिरिस्टमे भेलासे सत परमेस्वरमे चियै। ओह्या सत परमेस्वर आ अनन्त जिबन चियै।
अपनासबमे उ आपन छाप लगाइने छै आ बैनाके रुपमे पबितर आत्माके अपनासबके हिरदयमे बास करैले देने छै।
कथिलेत पाप करैबलाके बैन मिरतु चियै, महज फोक्टेमे देल परमेस्वरके बरदान त अनन्त जिबन चियै जे अपनासबके परभु येसु खिरिस्टमे देनेछै।
आब तुसब सतके माइनके आपन मन सुध कैरलेने चिही तहैलेल एक दोसर कोनो छलकपट नै कैरके भाइ-भैया आ दिदी-बहिन जखा परेम कर। हिरदयसे एक दोसरके परेम कर।
चोर त चोराइले, मारैले आ नास करैके लेल मातरे आबैछै। महज हम त लोक जिबन पाबे आ उ भरपुर कैरके पाबे कैहके एलियै।
परमेस्वरके पबितर आत्माके दुखी नै बना, कथिलेत पबितर आत्मा तोरासबके छुटकाराके दिनके खातिर भेटल छाप चियौ।
पहिने पापके सक्ती सब लोकसबके पाप करैले लगेल्कै आ मरलै। आब परमेस्वरके दयासे हमसब ओकर अगा धरमी ठहरैचियै आ अपनासबके परभु येसु खिरिस्ट दुवारा अनन्त जिबन पाबैछै।
तब उसब दन्डके भागिदार हेतै, महज धरमीसब अनन्त जिबन पाबतै।”
धैनके चियै धारमिकताके खातिर भुखल-पियासलसब, कथिलेत उसब अघाइतै।
येसु ओकरा जबाब देल्कै, “परमेस्वर तोरा दैबला बरदानके आ तोहर सङे पानी माङैबला लोकके चिनतिही त, तु ओकरसे माङतिही आ उ तोरा जिबनके पानी देतियौ।”
तब उ सामरी जनी कहल्कै, “मालिक, अहाँसङे त पानी भरैले डोलो नै छै, इनार बहौत गैहर छै। जिबनके पानी अहाँ कतसे आन्बै?
येसु जबाब देल्कै, “यि पानी पियैबला सबकोइ फेनो पियासले रहतै।
अखनियो बाली काटैबलाके बैन भेटैछै आ अनन्त जिबनके खातिर अन जमा करैछै, तब छिटैबला आ काटैबला दुनु सङे-सङे खुसी मनाबैछै।
नास हैबला भोजनके खातिर मेहनत नै कर महज अनन्त जिबन तक रहैबला भोजनके लेल मेहनत कर, जे मानबके बेटा तोरासबके देतौ। कथिलेत परमेस्वर पिता ओकर उपर आपन छाप लगादेनेछै।”
पाबैनके अन्तिम दिन अरथात मुल दिनमे येसु ठार भ्याके जोरसे कहल्कै, “तोरासबमेसे यदि कोइ पियासल चिही त उ हमरलग आबे आ पिबे।
कथिलेत सिंहासनके बिचमे रहैबला थुमा ओकरासबके चरबाहा हेतै, ओकरासबके डोरियाइत जिबनके पानीके मुलमे लजेतै आ परमेस्वर ओकरासबके आँखके सब लोर पोइछदेतै।”