10 येसु ओकरा जबाब देल्कै, “परमेस्वर तोरा दैबला बरदानके आ तोहर सङे पानी माङैबला लोकके चिनतिही त, तु ओकरसे माङतिही आ उ तोरा जिबनके पानी देतियौ।”
महज हमर देल पानी पियैबला फेनो कहियो नै पियासल रहतै, कथिलेत हमर देल पानी ओकर भितरसे निकलैबला पानीके मुल हेतै आ ओकरा अनन्त जिबन देतै।”
कथिलेत सिंहासनके बिचमे रहैबला थुमा ओकरासबके चरबाहा हेतै, ओकरासबके डोरियाइत जिबनके पानीके मुलमे लजेतै आ परमेस्वर ओकरासबके आँखके सब लोर पोइछदेतै।”
उ हमरा कहल्कै, “आब सबकाम पुरा भ्यागेलै! अल्फा आ ओमेगा, सुरु आ अन्त हम्ही चियै। जकरा-जकरा पियास लागल छै, हम ओइसबके मङनिएमे जिबनके पानीके भबसे पियैले देबै।
कथिलेकी परमेस्वर सन्सारके लोकसबके एहेन परेम करल्कै कि उ आपन एकलौता बेटाके देल्कै। ओकर उपर बिस्बास करैबला नास नै हेतै, महज उ अनन्त जिबन पाबतै।
पबितर आत्मा आ कनिया कहैछै, “आबु!” जे लोक सुनैछै, उहो लोक कहे कि, “आबु।” जे पियासल छै, उ आबे आ जकरा इक्छा लागैछै उ जिबनके पानी मङनिएमे पिबे!
परमेस्वर आपने निज बेटाके बचाके नै राखल्कै, महज ओकरा अपनेसबके लेल देल्कै त, कि उ अपनासबके जम्मे चिज ओकरसङे नै देतै से?
आ सबकोइ एके आत्मिक पानी पिल्कै, कथिलेत उसब सङे-सङे यातरा करैबला आत्मिक चटानसे निकलल पानी पिल्कै आ उ चटान खिरिस्ट छेलै।
तब येसु फेनो उसबके कहल्कै, “जिबनके रोटी हम्ही चियौ। जे हमरलग एतै उ कहियो नै भुखल रहतै आ हमरमे बिस्बास करैबला कहियो नै पियासल रहतै।
अनन्त जिबन एह्या चियै कि, उसब अहाँ एक मातरे सत परमेस्वरके आ अहाँके पठाएल येसु खिरिस्ट चियै से जाने।
स्वरगसे एल जिबित रोटी त हम्ही चियै। जे कोइ यि रोटी खेतै, से कोइ सबदिन जिबित रहतै। सन्सारके लोकसबके जिबनके लेल जे रोटी हम दैचियै, उ हमर देह चियै।”
ओकर बखाने करैले नै सकैबला बरदानके लेल परमेस्वरके धन्यबाद हेबे।
तुसब खराब हैतोपरभी आपन धियापुतासबके असल चिजसब दैले आबैछौ त, औरो तोरासबसे बेसी स्वरगमे रहैबला पिता, ओकरसङे माङेबलाके पबितर आत्मा दैछै!”
कथिलेकी परमेस्वरके अनुगरहसे तुसब बिस्बाससे बच्याल गेलचिही। तुसब आपनेसे कोसिस कैरके नै, यि त परमेस्वरके देल बरदान चियौ।
परमेस्वरके कारन तुसब खिरिस्ट येसुमे चिही, परमेस्वर खिरिस्ट येसुके अपनासबके लेल बुधि, धरमी, पबितर आ पापसे छुटकरा दैबला बनाइल्कै।
अपनासब जानैचियै कि परमेस्वरके बेटा आइबगेल छै आ सत परमेस्वरके चिन्हैले उ अपनासबके समझसक्ती देने छै। हमसब ओकर बेटा येसु खिरिस्टमे भेलासे सत परमेस्वरमे चियै। ओह्या सत परमेस्वर आ अनन्त जिबन चियै।
उसब पिताके आ हमरा नै चिन्हैछै, तै कारन उसब एहेन काम करतौ।
परभु आग्या करैत कहल्कै, “उठ आ सोझ्का गल्ली नामके रस्तामे जो आ यहुदाके घरमे टारससके बासि साउल नामके लोकके खोज, ओते उ परथना कैर रहल छौ।
कथिलेत उसब, जे एकबेर परमेस्वरके इजोत पाबनेछै, स्वरगके बरदानके सबाद पाबनेछै आ पबितर आत्मामे सहभागी भेलछै,