4 निकोदेमस ओकरा पुछल्कै, “बुढ भ्यागेल लोक फेनो कनङके जलमतै? उ फेनो आपन माँ के कोइखमे ढुइकके कनङके जलम ल्या सकैछै?”
जै लोकमे परमेस्वरके आत्मा नै छै, उ लोक परमेस्वरके आत्माके बातसबके गरहन नै करैछै। कथिलेत एहैन बातसब ओकरलेल मुरुख बात हैछै। एहैन बात त परमेस्वरके आत्मासे मातरे बुझैले सकैछै।
बिनास हैबला लोकसब कुरूसके समादके मुरुख बात ठानैछै, महज हमसब मुक्ती पाबैबलासबके लेल यि परमेस्वरके सक्ती चियै।
येसु निकोदेमसके कहल्कै, “साँचोके हम तोरासबके कहैचियौ, जाबेतक फेनोसे लोक नया कैरके जलम नै लेतै ताबे तक उ परमेस्वरके राज देखे नै सक्तै।”
येसु उसबके कहल्कै, “साँचोके हम तोरासबके कहैचियौ, यदी तुसब मानबके बेटाके देह नै खेबही आ ओकर लहु नै पिब्ही त, तोरासबमे अनन्त जिबन नै रहतौ।
यि बातसब सुइनके येसुके चेलासबमेसे बहुतो गोरा कहल्कै, “यि सिक्छा त एकदम करा छै। यि के माने सक्तै?”
तब येसु ओकरा जबाब देल्कै, “हम तोरा साँचोके कहैचियौ, जाबेतक कोइ पानी आ आत्मासे जलम नै लेतै ताबेतक परमेस्वरके राजमे परबेस करैले नै सक्तै।