साँचोके हम तोरा कहैचियौ, जे बात हमसब जानैचियै, ओह्या बात हमसब कहैचियै आ जे बात देखने चियै ओहैके गबाही दैचियै, महज तैयो तुसब हमरासबके गबाहीके सुइकार नै करैचिही।
आबसे हम तोरासबके नोकर नै कहबौ, कथिलेकी मालिक कथी कैररहलछै से नोकर नै जानैछै। महज हम तोरासबके सङी कैहरहल चियौ, कथिलेकी हमर पितासे हम जे सुन्ने चियै से सब तोरासबके कैहदेने चियौ।
पिलातस ओकरा पुछल्कै, “कि तु रजे चिही त?” तब येसु जबाफ देल्कै, “हम रजा चियै कैहके अहै त कहैचियै। हम अहै खातिर यि सन्सारमे जलम लेलियै आ सतके बारेमे गबाही दैले सन्सारमे एलियै। जे सतके पक्छमेछै, से हमर बात सुनैछै।”