परमेस्वरके बेटा-बेटी भ्याल लोक पाप कैरते नै रहैछै से बात अपनासब जानैचियै। कथिलेकी परमेस्वरके बेटा ओइसबके बचाइछै आ दुस्ट सैतान ओकरा छुबैले नै सकैछै।
“परमेस्वर ओइसबके आँख बन्द कैरदेनेछै आ ओकरासबके हिरदय कठोर बन्यादेनेछै। तैल्याके उसब आपन आँखसे नै देखे आ हिरदयसे नै बुझे, नै त उसब घुइमके एतै आ हम ओइसबके निक करतियै।”
महज स्वरगसे आबैबला बुइध त सबसे पहिने असल हैछै, तकरबाद उ सान्ती दैबला, नम्र, बिचारसिल आ दयासे भरल रहैछै आ असल कामसे परकट हैछै। अइमे पक्छपात करैबला बात आ छलकपट करैबला बात नै रहैछै।
कथिलेत साँचे हम तोरासबके कहैचियौ, जबतक स्वरग आ पिरथिबी खतम नै हेतै तबतक बेबस्थामे लिखल बात बिना पुरा भेने छोटसे छोट बुन्का ओकर एकोटा आछर तक नै बुताइतौ।
आब यि दुइ बेटासबमे के आपन बाबुके आग्या मानल्कै?” तब उसब जबाफ देल्कै, “पहिन्का बेटा।” तब येसु उसबके कहल्कै, “साँचेके हम तोरासबके कहैचियौ, बटी उठाइबलासब आ बेस्यासब तोरासबसे अगा परमेस्वरके राजमे परबेस करतौ।