“महज युहन्नाके देल गबाहीयोसे बरका गबाही हमरलग छै। कथिलेत जे काम पुरा करैके लेल पिता हमरा देने छै, उ काम हम करैचियै आ ओह्या कामसब हमर बारेमे गबाही दैछै कि, पिते हमरा पठाइने छै।
उसब आपन कुछ चेलासब आ हेरोद रजाके दलके कुछ लोकसबके येसुलग एहेन कहैले पठेल्कै, “हे गुरु जी, हमसब जानैचियै कि अहाँ सत चियै आ परमेस्वरके साँचे सत बाट देखाइचियै। लोकसब कथी कहतै तैके कोनो बास्ता नै राखैचियै कथिलेकी अहाँ ककरो पक्छपात नै करैचियै।
हम तोरासबके बिचमे जे काम करने छेलियौ, उ काम औरो दोसर नै करने छै। यदी उ काम हम नै करने रहतियै त, उसब पापके दोसी नै हेतियै। महज हमर करल अजगुत कामसब देखियोके उसब हमरा आ हमर पिता दुनोगोराके घिरना करैछै।
उसब येसु लग आइबके कहल्कै, “गुरु जी, हमसब जानैचियै कि, अहाँ सहि बात बोलैचियै आ ककरो पक्छपात नै करैचियै। अहाँ त परमेस्वरके सत-सत बात सिखाइचियै। आब हमरासबके कहु, हमसब कैसरके कर तिरबै से उचित छै कि नै?”
महज यदी हम पिताके काम करैचियै तबो तुसब हमरा बिस्बास नै करैचिही त हमर करलाहा अजगुतके कामसबमे त बिस्बास कर। तब तुसब जानबिही आ बुझबिही, कि पिता हमरमे छै आ हम पितामे चियै।”
‘हम पितामे चियै आ पिता हमरमे छै’ से कि तु बिस्बास नै करैचिही? जे बात हम तोरासबके कहैचियौ, से बात हम आपने मनसे नै कहैचियौ। महज हमरमे रहैबला पिता यि कामसब करैछै।