येसु ओकरासबके कहल्कै, “यदी परमेस्वर तोरासबके पिता रहतियौ त, तुसब हमरा मया करने रहतिही, कथिलेकी हम परमेस्वर लगसे एलचियै आ अखन हम अते चियै। हम आपन इक्छासे नै एलचियै, महज उ हमरा पठेने छै।
कथिलेत अहाँके देल सिक्छा हम ओइसबके देनेचियै आ उसब उ सुइकार करने छै। हम अहाँसे एलचियै कैहके उसब साँचोके बुझनेछै। तब हमरा अहै पठेलियै कैहके उसब बिस्बास करने छै।
“महज युहन्नाके देल गबाहीयोसे बरका गबाही हमरलग छै। कथिलेत जे काम पुरा करैके लेल पिता हमरा देने छै, उ काम हम करैचियै आ ओह्या कामसब हमर बारेमे गबाही दैछै कि, पिते हमरा पठाइने छै।
हम परथना करैचियै कि उ सबकोइ एक हेबे। हे पिता, जहिनङे अहाँ हमरमे आ हम अहाँमे चियै, तहिनङे ओहोसब अपनासबसङे एक हेबे, ताकि अहाँ हमरा पठाइनेचियै कैहके सन्सारके लोकसब बिस्बास करे।
हम ओकरासबमे आ अहाँ हमरमे चियै। अहिनङके उसब पुरा रुपसे एक हेबे आ अहाँ हमरा पठाइनेचियै आ जहिनङे अहाँ हमरा परेम करैचियै तहिनङे हमरमे बिस्बास करैबलासबके परेम करैचियै से सन्सारके लोकसब जाने।